कोलावरी... कोलावरी... कोलावरी... डी


आई काल्हि इंटरनेट...यूट्यूब...टीवी चैनल... न्यूज पर कोलावरी... कोलावरीय... कोलावरी... डी छाएल अछि. उम्मीद अछि अहा सभ सेहो एकरा सुनने... देखने होएब.
अगर नहि देखलौं अ तं कोनो गप नहि हम बता दैत छी.

 असल मे कोलावरी... कोलावरी... कोलावरी... डी  साउथ केर तमिल फिल्म 3 के गाना अछि. ई गाना तमिल आओर इंग्लिश मे अछि... मिललजुलल.

तमिल फिल्म तीन के बना रहल छथीह साउथ के सुपरस्टार रजनीकांत के पुत्री ऐश्वर्या. एहि गाना के आवाज देने छथिन्ह ऐश्वर्या के
पति धनुष. एहि गीत क 16 नवंबर के यूट्यूब पर डालल गेल.

यूट्यूब पर डालला के 12 दिन के अंदर एकरा 80 लाख से बेसि लोक सुनि चुक छथिन्ह. ई एकटा रिकॉर्ड अछि. यूट्यूब पर अखन धरि कोनो गीत...संगीत केर वीडियो एतेक क्लिक नहि भेल अछि. दुनिया भर मे छाएल रहय वाला इंग्लिश एलबम के सेहो एतेक हिट नहि मिलल रहय जतेक कोलावरी डी के मिल रहल अछि.

पूरा इंडिया मे तहलका मचौने अछि ई गाना. भने एकर बोल अहां के समझ मे नहि आएत मुदा एकर म्यूजिक एतेक नीक अछि जे अहांक पैर अपने आप थिरकय लागत.

हम खुद एकर बोल नहि समझि रहल छी मुदा कई बेर एहि गाना के सुनि चुकल छी. एकरा अहां एकटा पागलपन कहि सकय छी.
मुदा सुनय मे सचमुच बड़ नीक लगैत अछि.

एहि गाना के दसिओटा वीडियो यूट्यूब पर आबि गेल अछि मुदा जे ऑरिजनल अछि ओ 80 लाख सं बेसि सुनल गेल अछि. दोसर सेहो लाखों मे पहुंच गेल अछि. एक अंदाज के ल क अहां कहि सकय छी जे रोज करीब लाख लोक एहि गाना के यूट्यूब पर सुनि रहल अछि

लोक एकरा खूब पसंद करि रहल छथिन्ह, ई लोक के दिल-दिमाग पर छा गेल अछि.. एकटा बात आओर जे एकर जे संगीत देने छथिन्ह ए रविचंदर हुनकर उम्र मात्र 18 साल छनि. ई गाना सेहो हुनका लोकप्रियता के शिखर पर पहुंचा देने अछि.

ओना सभ सं बेसि नाम भेल रजनीकांत के दमाद धनुष के. धनुष के गाएल एहि गाना क लोक बेर बेर सुनि रहल छथिन्ह. एहि गाना पर न्यूज चैनल सभ आधा-आधा घंटाक कार्यक्रम पेश करि रहल अछि.

फेसबुक पर सेहो हजारों लोक एहि गाना के शेयर कएने छथिन्ह. हिंदी के नहि होएतहुं हिंदी के लोक...पंजाबी...मैथिली के लोक सभ एहि गाना के सुनि रहल छथिन्ह आओर गुनगुना रहल छथिन्ह.

ई जरूर अछि जे गुनगुना सिर्फ कोलावरी... कोलावरी... कोलावरी... डी  रहल छथिन्ह...बाकी लाइन पर झुमय छथिन्ह.

असल मे कोलावरी... कोलावरी... कोलावरी... डी  के मतलब एक तरहक गुस्सा होएत अछि...बड़ बेसि नाराजगी... घोर निराशा.

ओना सोचिओ तं एहि लाइन को कोनो मतलब नहि अछि मुदा चलि गेल...हिट भ गेल.

जेना अपन मैथिली मे एक लाइन पूरा मिथिला मे हिट भ गेल रहय आब कहुं मोन केना करय अ...एकर बाद खो मंगला पड़ल रह...
तेहिना एकर हाल अछि.

ओना साउथ के किछ गाना हिंदी मे सेहो काफी हिट रहल अछि खासकर ए आर रहमान केर.
उर्वशी...उर्वशी... मुकाबला..मुकाबला....

आब कोलावरी... कोलावरी... कोलावरी... डी सं ई साबित भ रहल अछि जे गीत...संगीत के कोनो सीमीत दायरा नहि होएत अछि. ई सभ के दिल पर अपन असर डालैत अछि.
सभ के अपन बोल पर झुमय लेल विवश करि दैत अछि.

तं अहुं आनंद लिअ...नहि सुनलौं अ तं सुनि लिअ...एहि लिंक के क्लिक करि... 








2 टिप्‍पणियां:

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु