अहांक वोट किनका ?


बिहार विधानसभा के लेल 21 अक्तूबर सं वोटिंग शुरू होबय जा रहल अछि. राज्य केर 243 सीट के लेल एहि बेर छह चरण मे मतदान भ रहल अछि. वोट त भ रहल अछि मुदा सभसं पैघ सवाल ई अछि जे अहांक वोट किनका जाएत ? अहां एहि बेर किनका गद्दी पर बैसाबय चाहैत छी ? कि नीतीश जी फेर मुख्यमंत्री बनि सकताह? कि लालू प्रसाद यादव जी रामविलास पासवान जीक संग मिलि क नीतीश जीके कात लगाबय मे कामयाब भ पएताह? आ अहांके लगैत अछि जे महबूब अली कैसर जीक देखरेख मे कांग्रेस किछ करामात देखा पाएत?

आजादी के बाद पिछला 60 साल मे देखल जाए त कांग्रेस करीब 40 साल कांग्रेस राज करलक...आओर ओहि के बाद कांग्रेस के सहयोग सं 15 साल लालू...राबड़ी देवी जीक राज रहल. एहि पचपन साल मे बिहार देश के छोट-छोट राज्य सं पिछड़ैत चलि गेल. पिछला पांच साल सं नीतीश जी बीजेपी के सहयोग सं सरकार चला रहल छथि. हिनका राज्य मे विकास के गाड़ी किछ चलल अछि.

आब फेर चुनाव भ रहल अछि. अहां किनकर सरकार चाहय छी? जाति... धर्म... परिवार... कका/ मामा छोड़ि बिहार के बारे मे सोचल जाए त अहांक वोट किनका मिलत?

A. नीतीश कुमार / सुशील कुमार मोदी
B. लालू यादव / राबड़ी देवी / रामविलास पासवान
C. महबूब अली कैसर

अहांक जवाब के इंतजार मे...

Share/Save/Bookmark 
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com

2 टिप्‍पणियां:

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु