नया साल मे नौकरी के खुशी...

देर सं सही बिहार मे दरोगा बहाली के रास्ता साफ भs गेल अछि. मुदा ई देर किछ आओर उम्मीदवार के चेहरा पर खुशी लाबय मे कामयाब रहल अछि. आब पहिले के लिस्ट मे 637 टा उम्मीदवार आओर जोड़ि देल गेल अछि... पहिने 1510 दरोगा के बहाली के विज्ञापन निकलल रहय... मुदा पचड़ा मे फंसला के बाद आब 2147 लोक के दरोगा के रूप मे बहाली कएल जाएत. प्रश्न पत्र मे गड़बड़ी के लs क मामला अदालत मे मामला चलि गेल रहय. ई मामला चारि साल पहिने सं फंसल छल. मुदा आब सरकार एहि बात के साफ कs कs देलक अछि आओर एसएससी.... कर्मचारी चयन आयोग के पहिलका लिस्ट मे 537टा आओर उम्मीदवार के नाम जोड़य लेल कहि देलक अछि. उम्मीद अछि सभ लोक के एहि मास बहाली के पत्र मिलि जाएत. चलु देर सं सही ई 2009 साल अहां सभ के लेल नीक रहल. नौकरी हाथ मे आएल.


1 टिप्पणी:

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु