बौद्ध पर्यटन क्षेत्रक विकास


काल्हि हम गप्प करय छलहुं जे बिहारक सड़कक हाल बड़ खराब अछि. विदेशी पर्यटक सभ एतय नहिं आबय चाहैत छथिन्ह. सड़क स्थिति एतेक खराब अछि जे एहि रुट पर दु बेर अएला-गेला के बाद लगैत अछि जेना पूरा शरीर के अंजर-पंजर ढील भs गेल. चलु देर सं सही सरकार जागल अछि. सरकार बौद्ध पर्यटन क्षेत्र मे चारि लेन वाला सड़क बनाओत. शुरू मे एहि के लेल बोधगया... गया... हिसुआ... राजगीर... नालंदा... बिहारशरीफ... बख्तियारपुर के जोड़य वाला सड़क बनाओल जाएत. चारि लेल वाला एहि सड़कक लम्बाई करीब चारि सय अस्सी किलोमीटर होएत. एहि सड़कक सभस बड़का गप्प ई अछि जे एकरा लेल जापान बैंक फॉर इंटरनेशनल को-ऑपरेशन पाई देबय लेल तैयार भs गेल अछि.
एहि लेल ई जापानी बैंक सोलह सय करोड़ रुपया देत. उम्मीद अछि जे बिहार सरकार एहि परियोजना सं जुड़ल सभ जानकारी दुर्गापूजा तक बैंक के सौंप देत. ओकर बाद जे जरूरी प्रक्रिया अछि ओकरा निपटा कए सड़क बनाबय के काज अगिला साल होली सं शुरू भs जाएत. सड़क बनला सं एहि क्षेत्र के पर्यटन मे तेजी आएत.

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु