मैथिली सम्मेलन

पूर्णिया के ब्रजमोहन ठाकुर विधि महाविद्यालय में पिछला दिन सत्रहवां अंतर्राष्ट्रीय मैथिली सम्मेलनक आयोजन कएल गेल. एहि सम्मेलन में देश भर सं आएल मैथिल विद्वान लोकनि मैथिली के दशा-दिशा पर चर्चा कएलाह. सम्मेलन में मैथिलीक वर्तमान स्थिति आओर विकासक लेल जरूरी कदम पर विचार- विमर्श कएल गेल. एहि अवसर पर अलग मिथिला राज्य के मांग सेहो दोहराएल गेल. सभ गोटे के कहनाय छलन्हि जे बिना अलग राज्य बनने एहि इलाका के विकास संभव नहिं अछि. एहि में मिथिलांचल के नेता लोकनि से आग्रह कएल गेल जे ओ पार्टी पॉलिटिक्स बिसरि मिथिलांचल के विकास पर ध्यान देथि. अगर ऐना भs गेल तs मिथिलांचल विकास के डगर पर दौड़य लागत. सम्मेलन में मैथिली गीत के कार्यक्रम सेहो भेल. विद्यापतिक गीत सं लोक सभ मंत्रमुग्ध भs गेलाह.

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु