नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

दिल्ली मे भेल मिथिला महोत्सव आओर मैथिली साहित्य महोत्सव

दिल्ली के प्रेस क्लब ऑफ इंडिया मे शनि दिन, 12 नवम्बर के मिथिला महोत्सव-6 आ मैथिली साहित्य महोत्सव-3 के आयोजन कएल गेल। मैथिल पत्रकर ग्रुप द्वारा प्रेस एसोसिएशन, प्रेस क्लब ऑफ इंडिया आ ओखला प्रेस क्लब के सहयोग स एहि कार्यक्रम केर आयोजन कएल गेल। आयोजनक शुरुआत मैथिली साहित्य महोत्सव ३ सं भेल। साहित्य महोत्सव के दू सत्र मे दूटा विषय पर चर्चा भेल, ‘हवाई जहाज दरभंगा पहुँचला पर मिथिलाक विकास केँ कतेक पाँखि भेटल’ आ

‘प्रवासी मैथिल राजनीतिक रूप सँ समृद्ध किएक नहि छथि’। एहि मे वरिष्ठ पत्रकार मदन झा, प्रतिभा ज्योति, विनीता ठाकुर, आलोक कुमार, हेमेन्द्र मिश्र, नरेन्द्र नाथ, उदय मिश्र, गीताश्री, बीएन झा, विनोद मिश्र आ उमाशंकर सिंह अपन विचार रखलनि।


उमाशंकर सिंह कहलाह जे मैथिली भाषा नहि विचार अछि। गीताश्री कहलनि जे मैथिली के जाति-भाषा-वर्ग मे बाँटय के बजाय एकरा समग्रता के रूप मे अपनाबय के जरूरत अछि। नरेन्द्र नाथ कहलाह जे आइ-काल्हि एहन युवा परिवर्तन अनबाक काज क रहल छथि। जकर चर्चा आई सं पहिने कहियो नहि भेल। सोशल मीडिया के एहि युग मे अपन बात राखब बेसी सुलभ अछि। एहन स्थिति मे हमरा सब के अपन काज, आंदोलन आ परिवर्तन के लेल तकनीक के अपनाबय के सेहो जरूरत अछि। प्रतिभा ज्योति, विनीत ठाकुर आ मदन झा कहलाह जे दरभंगा हवाई अड्डा खुलला स॑ मिथिला आ पूरा उत्तर बिहार के विकास भ रहलऽ छै। मुदा टिकट के दाम कम करय आओर दोसर सुविधा बढ़ाबय के जरूरत अछि। वरिष्ठ पत्रकार आलोक कुमार कहला जे एकरा उड़ान योजना स बाहर निकालि कए नियमित हवाई अड्डा बनेबाक जरूरत अछि। जेकरऽ वजह स॑ बहुत एयरलाइंस एत॑ अपनऽ सेवा द॑ सकै छैआ टिकटक दाम सेहो घटत।


मैथिली साहित्य महोत्सव के बाद मिथिला महोत्सव सांस्कृतिक कार्यक्रम के आयोजन भेल। बिहार विधान परिषद के सदस्य संजय मयूख, कांग्रेस नेता प्रणव झा, संजीव सिंह, संजय बसाक, विनय कुमार दीप प्रज्वलित क एकर विधिवत शुभारंभ करलाह। मेलोरंग नाट्य मंडली द्वारा रंगारंग कार्यक्रम प्रस्तुत कयल गेल। मोहन झा अपन बांसुरी बजा क लोक कए मंत्रमुग्ध क देलाह। एहि अवसर पर बहुत रास बच्चा सब सेहो अपन प्रस्तुति देलखिन।


एहि दौरान विभिन्न दलक नेता लोकनि पार्टी राजनीति सँ ऊपर उठि मैथिली केँ रोजी-रोटीक भाषा बनेबाक प्रतिबद्धता व्यक्त केलनि। कार्यक्रम के मुख्य अतिथि एवं बिहार विधान परिषद के सदस्य संजय मयूख आ दिल्ली विधानसभा के विधायक संजीव झा के साथ-साथ कांग्रेस नेता प्रणव झा कहलाह जे मैथिली भारत के सभ सं प्राचीन भाषा मे शामिल अछि। संविधानक आठम अनुसूची मे सेहो शामिल अछि। सरकार एकरा रोजी-रोटी के भाषा बनेबाक लेल सभ तरहक योगदान देत।


संजय मयूख कहला जे ओ एहि मामला क संबंध मे अपन बात बिहार विधान परिषद मे रखताह। ओतहु सेहो एहि प्रकारक आयोजन पैघ स्तर पर हेबाक चाही। एहि लेल ओ प्रयास करताह। विधायक संजीव झा कहलनि जे दिल्ली नगर निगम के प्राथमिक विद्यालय सं लs क दिल्ली सरकार के उच्च माध्यमिक विद्यालय तक मैथिली भाषा के विषय के रूप में पढ़ाओल जायत। एकरा लेल ओ अपन तरफ स सब प्रयास करताह। अगर तत्काल आधार पर मैथिली शिक्षक के नियुक्ति करय पड़त तं मैथिली भोजपुरी अकादमी द्वारा स्कूल में मैथिली शिक्षक के सेहो भेजल जायत। मुदा एहि काज लेल जनसहभागिता सेहो आवश्यक अछि। मैथिली भाषा के अध्ययन के लेल सेहो लोक के आवाज उठाबय पड़त। सरकार आओर प्रशासन पर एहि लेल दबाव बनाबय के जरूरत अछि। एहि अवसर पर कांग्रेस नेता संजीव सिंह आओर मैथिली भोजपुरी अकादमी के पूर्व उपाध्यक्ष नीरज पाठक सेहो मौजूद छलाह।


एहि अवसर पर मैथिल पत्रकार समूहक अध्यक्ष संतोष ठाकुर मैथिल पत्रकार समूहक रचनाक जानकारी दैत एकर स्थापना सँ जुड़ल संदर्भक जानकारी सेहो साझा केलनि। ओ कहलनि जे मैथिल पत्रकार समूह सेहो सब समान विचारधारा वाला संस्था के संग मिलिकय अगिला साल विश्व मैथिली सम्मेलन के आयोजन करय चाहैत अछि।

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु