नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

लोकसभा टीवी मे बंपर वेकैंसी, वॉक इन इंटरव्यू

मीडिया सं जुड़ल लोक के लेल नीक खबर अछि. लोक सभा टीवी के लेल बंपर वेकैंसी निकलल अछि. अगर अहां लोकसभा टीवी मे काज करय लेल इच्छुक छी तखन ई बड़ नीक मौका अछि.

लोकसभा टीवी के कई पोस्ट लेल पत्रकार चाही. लोकसभा टीवी के प्रोडक्शन एग्जिक्यूटिव,  प्रोड्यूसर, प्रोडक्शन असिसटेंट,असिसटेंट प्रोड्यूसर, कॉपी एडिटर
(अंग्रेजी), एंकर (हिंदी और अंग्रेजी), ब्रॉडकास्ट इंजिनियर, टेक्निकल एग्जिक्यूटिव,  मैनेजर (डिस्ट्रीब्यूशन एंड मार्केटिंग) और सोशल मीडिया प्रोड्यूसर के जरूरत अछि.

एहिठाम भर्ती तीन साल के कॉन्ट्रैक्ट के आधार पर होएत जे नीक काज करला पर बढ़ा देल जाएत.

अगर अहां लोकसभा टीवी मे जॉब करय चाहय छी तखन तैयार भ जाउ 17 सं 20 जुलाई तक होए वाला वॉक-इन-इंटरव्यू लेल. पोस्ट के हिसाब सं 17 सं 20 जुलाई तक सुबह 9 बजे सं 10 बजे तक इंटरव्यू होएत.

प्रोडक्शन एग्जिक्यूटिव,  प्रोड्यूसर, प्रोडक्शन असिसटेंट आओर असिसटेंट प्रोड्यूसर के वॉक-इन-इंटरव्यू  17 जुलाईके होएत.

कॉपी एडिटर(अंग्रेजी) आओर एंकर (हिंदी और अंग्रेजी) के वॉक-इन-इंटरव्यू  18 जुलाई के तय कएल गेल अछि.

ब्रॉडकास्ट इंजिनियर आओर टेक्निकल एग्जिक्यूटिव के वॉक-इन-इंटरव्यू  19 जुलाई के राखल गेल अछि.

मैनेजर (डिस्ट्रीब्यूशन एंड मार्केटिंग) और सोशल मीडिया प्रोड्यूसर के वॉक-इन-इंटरव्यू  20 जुलाई के होएत.

सभ के वॉक-इन-इंटरव्यू  लेल अहां के 9 सं 10 बजे के बीच पहुंच जाए के अछि. अहां सभ के एहि पता पर पहुंचय के अछि-

Lok Sabha TV,
21-23 Mahadev Road, 
New Delhi-110001 
(behind new Broadcasting House, Akashvani Bhavan)

वॉक-इन-इंटरव्यू  देबय जाए काल अहां अपना संग पहिने सं भरल एप्लीकेशन फॉर्म, पिछला सेलरी स्लिप, जन्म, शिक्षा आओर योग्यता केर प्रमाण पत्र  के संग पैन कार्ड सेहो राखि लेब.

बेसि जानकारी आओर एप्लिकेशन फॉर्म डाउनलोड करय लेल LokSabha TV क्लिक करु

1 टिप्पणी:

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु