नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

PICS+Video: अंधराठाढ़ी मे हत्या के बाद बवाल, सीबीआई जांच के मांग

मधुबनी जिला के अंधराठाढ़ी मे किराना दुकानदार बेचन गुप्ता के निर्मम हत्या के बाद सीबीआई जांच के मांग उठय लागल अछि.

एक हफ्ता भs गेलाह के बादहुं पुलिस के कोनो सफलता हाथ नञि लागल अछि. एहि सं लोक सभ के गुस्सा आओर बढ़ल जा रहल अछि. मधुबनी जिला मे कानून व्यवस्था के हाल दिन पर दिन बिगड़ल जा रहल अछि आओर सुशासन बाबू नीतीश
कुमार अगिला चुनाव के गणित मे उलझल छथिन्ह.

मधुबनी जिला मे एक के बाद एक करि कइटा कांड भS गेल मुदा पुलिस के जेना एहि सभ के कोनो फर्के नहि पड़ि रहल अछि.

हफ्ता भर बाद शुक्रदिन बीजेपी नेता आओर पूर्व उप मुख्यमंत्री सुशील कुमार मोदी बेचन गुप्ता के परिवार सं मिललखिन्ह. मोदी जी सीबीआई जांच लेल सरकार पर दबाब बनाबय के हर तरहक भरोस देलखिन्ह.

बेचन गुप्ता के हत्या 23-24 तारीख के राति डकैती के दौरान भेल. डकैती के क्रम मे डकैत सभ बेचन गुप्ता के हत्या बोरा सिअ वाला सूआ घोंपि कS करि देलक. हत्या मे सूआ के साथ लाठी आओर लोहाक रॉड के सेहो इस्तेमाल कएल गेल.

एक बजे राति के भेल एहि डकैती मे करीब 12-15टा डकैत शामिल छल. जाइत-जाइत डकैत सभ फायरिंग करैत भागल जेहि सं कि लोक सभ पाछां नहि करय.



कहल जा रहल अछि जे डकैती मे 25-30 लाख सं बेसि के सामान डकैत लूटि लS गेल. एतबे नञि डकैत सभ बेचन गुप्ता के पत्नी निर्मला देवी आओर पिता उपेन्द्र प्रसाद गुप्ता के सेहो मारि-मारि क अधमरा करि भागि गेल.

मूल रूप सं पश्टन गाम के रहय वाला बेचन गुप्ता करीब 20-25 साल सं अंधराठाढ़ी मे किराना दुकान करय छलखिन्ह आ एतेक दिन मे ओ इलाका के सभ सं अमीर व्यापारी मे गिनल जाय लगलखिन्ह. हिनकर एकटा भाई कपड़ा के दुकान करय छथिन्ह. बेचन जीक एकटा बेटा मेडिकल मे छथिन्ह आ दोसर दुकान पर बैसय छथिन्ह.

लोक सभ के कहनाय छनि जे पुलिस अगर टाइम पर पहुंचि जाएत तं डकैत धड़ा सकैत छल आ बेचन गुप्ता के जान बचि सकैत छल. मुदा जखन निर्मला देवी केहुना क जान बचाबैत थाना पहुंचलीह तखन घंटा भर बाद पुलिस लाठी खटकाबैत घटनास्थल पर पहुंचल. जखन कि थाना मुश्किल सं 500 मीटर दूर होएत.

Watch Video: Sushil Kumar Modi on Bechan Gupta Murder-


लोक सभ एहि डकैती मे पुलिस के मिलिभगत बता रहल अछि. एहि सभ के देखैत दरोगा के सस्पैंड करि देल गेल अछि मुदा पुलिस के जान बचाबय के लेल एसपी राजेश कुमार के कहनाय छनि जे डकैती मे घरे के कोनो आदमी के मिलिभगत अछि.

Sushil Modi on police inaction in Madhubani

एहि सभ के देखैत लोक सभ के कहनाय अछि जे सीबीआई जांच कराओल जाए जेहि सं सबकिछ साफ भS जाएत नहि तं पुलिस अपन जान बचाबय के फेर मे ककरो बलि के बकरा बना सकैत अछि.

रिपोर्ट आ फोटो- संजीव गुप्ता (निशांत नवीन)

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु