नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

PTI के पत्रकार के जरूरत- जल्दी अप्लाई करु

न्यूज एजेंसी पीटीआई के दिल्ली आओर मुंबई मे पत्रकार के जरूरत अछि. अगर अहां पत्रकारिता मे अपन करियर बनाबय चाहय छी तं एहि सं नीक मौका नहि मिलत.

पीटीई के प्रिंसिपल कॉरेसपोंडेंट, प्रिंसिपल कॉपी एडिटर, सीनियर कॉपी एडिटर, प्रोबैशनरी जर्नलिस्ट आओर ट्रेनी जर्नलिस्ट के जरूरत अछि.

एहि के लेल अहां के पास
पत्रकारिता के डिग्री या डिप्लोमा होनाए जरूरी अछि.

प्रोबैशनेरी आओर ट्रेनी जर्नलिस्ट के लेल अहांके लिखित परीक्षा देबय पड़त.
बेसि जानकारी के संग अप्लाई करय आओर फॉर्म डाउनलोड करय लेल अहां एहि लिंक के क्लिक करु-
ptinews

फॉर्म भरिsक hrm@pti.in ईमेल पर पठा दिऔ. सब्जेट मे जेहि पोस्ट के लेल अप्लाई करि रहल छी ओकर जिक्र जरूर करि देब. अप्लाई करय के लास्ट डेट अछि 30 दिसंबर, 2014. बेसि दिन नञि बाचल अछि. जल्दी करु.
अगर खुद जाsक आ फेर डाक सं फॉर्म जमा करय चाहय छी तखन पता अछि-
Sr. HR Manager,
Press Trust of India
PTI Building,
4, Parliament Street,
New Delhi- 110001

अहां सभ के हमर शुभकामना.

No comments:

Post a Comment

अहांक विचार/सुझाव...