नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

नीतीश-लालू के हाथ मिलैबाक चाही की?

नीतीश कुमार के मुख्यमंत्री पद सं इस्तीफा देबय के बाद सं बिहार के राजनीति गरमायल अछि. मुदा सिर्फ सरकार बचाबय लेल नीतीश कुमार के लालू यादव के संग जनाए बिहार लेल नीक रहत की?

जेहि लालू आ राबड़ी सरकार के पिछड़ापन के खिलाफ ओ सरकार बनौलाह ओकरे संग सरकार बनौताह तं लोक एकरा स्वीकार करत की?

बिहार के विकास के क्षेत्र मे कई साल पाछा ल जाए वाला लालू-राबड़ी सं
हाथ मिलैनाय बिहार के फेर ओहि जात-पाति वाला तुष्टिकरण वाला युग मे नहि ल जाएत की?

जेडीयू के राष्ट्रीय अध्यक्ष शरद यादव हिंट देलखिन्ह जे जेडीयू बिहार मे सरकार बनाबय लेल आरजेडी के लालू यादव के संग संपर्क मे अछि.

ओना लालू जी खुद एकरा बेबुनियाद बता देलखिन्ह. ओ साफ करि देलखिन्ह कि एहि बारे मे जेडीयू सं कोनो बात नहि भ रहल अछि.

नीतीश के इस्तीफा के बाद हुनकर इलाका के लोक सभ पटना मे प्रदर्शन कएलखिन्ह जे हुनका फेर सं मुख्यमंत्री बननाए जरूरी अछि. मुदा नीतीश जी फेर सं मुख्यमंत्री बनय सं इनकार करि रहल छथिन्ह.

किछ लोक हुनकर इस्तीफा के राजनीतिक ड्रामा सेहो बता रहल छथिन्ह. नीतीश जीक पार्टी के लोकसभा मे भारी हार के सामना करय पड़ल.

बिहार के 40 लोकसभा सीट मे हुनकर पार्टी के सिर्फ दूटा सीट मिलल. एक तरह सं हुनकर पार्टी के सफाया भ गेल. एहन भेल कि शरद यादव खुद अपन सीट तक नहि बचा पएलाह.

जेहि बिहार के विकास के नाम पर नीतीश जी विकासपुरुष बनल छलाह हुनकर ओ छवि आब ध्वस्त भेल जा रहल अछि. एकर शुरूआत राज्य मे बीजेपी सं हुनकर नाता तोड़ला के बादहिं भ गेल छल.

नीतीश के पार्टी मे हुनका छोड़ि एकोटा एहन मंत्री...एमएलए आ नेता एहन नहि देखा रहल अछि जे बिहार के विकास के राह पर ल जएताह.

सिर्फ बीजेपी के दूर राखल लेल नीतीश जी एना करि रहल छथिन्ह. बिहार के आब विकास करय वाला आदमी चाही. आगां ल जाए वाला नेता चाही. बिहार के मतदाता एकरा सहत की? अहां सभ के विचारे कि होबाक चाही?



कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु