नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

नहि रहलाह ताराकांत झाजी

बिहार विधान परिषद के पूर्व सभापति ताराकांत झा जी आब एहि दुनिया मे नहि रहलाह.

रविदिन पटना मे हिनकर निधन भ गेलन्हि. हिनकर निधन के समाचार मिलतहि पटना स्थित आवास पर लोक के तांता लगि गेलन्हि.

87 साल के ताराकांत जीक जन्म मधुबनी जिला के बेनीपट्टी ब्लॉक के
शिवनगर गाम मे 11 जुलाई 1927 के भेल छलन्हि.

ताराकांत जी शुरू सं संघ, बीजेपी सं जुड़ल रहलखिन्ह मुदा आखिर मे वो नीतीश जीक पार्टी जेडीयू मे शामिल भ गेलाह.

ताराकांत जी 1940 मे आरएसएस सं जुड़लखिन्ह. 1951 मे जनसंघ बनलाह के बाद ओहि सं जुड़लाह आओर फेर जनसंघ के बीजेपी मे बदलला के बाद एहि मे बनल रहलाह.

ताराकांत जी 1992 सं 1998 धरि आओर 2006 सं विधान परिषद के सदस्य रहलाह जेहि मे 2009 सं मई 2012 तक विधान परिषद के सभापति पद पर रहलाह.

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु