नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

बार वाला...डांसर के नचौला पर फातमी पर केस

लोकसभा चुनाव लेल पर्चा भरय जाएत काल बिना अनुमति के डांसर...बार बाला के नचौला पर आरजेडी उम्मीदवार मो अली अशरफ फातमी के खिलाफ केस दर्ज कएल गएल अछि.

पूर्व केंद्रीय मंत्री फातमी चुनाव प्रक्रिया शुरू होएतहि आदर्श आचार संहिता उल्लंघन मामला मे फंसि गेलाह. वृहस्पति दिन तीन तारीख के पर्चा भरय जाएत काल भारी भीड़ जुटाबय लेल डांसर के बुलाएल गेल अछि.

आरजेडी के पिकअप वैन पर चारिटा डांसर अपन लटका-झटका
देखा रहल छलीह. पिकअप वैन पर आरजेडी के पोस्टर- बैनर लगाउल गेल छल.
 (फोटो- विपिन कुमार दास)

सदर एसडीओ कारी प्रसाद जीक कहनाए छलन्हि जे बिना अनुमति ई सभ करय के लेल आदर्श चुनाव आचार संहिता उल्लंघन केर मामला दर्ज करि लेल गेल अछि.

फातमी के संग आरजेडी जिलाअध्यक्ष रामनरेश यादव के खिलाफ फ्लाइंग स्क्वाइड...उड़नदस्ता टीम के मजिस्ट्रेट नरेंद्र नाथ झा जीक बयान पर केस दर्ज कएल गेल. हुनकर बयान मे कहल गेल अछि जे कर्पूरी चौक पर डांसर के नचाओल गेल.



कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु