नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

सुपौल मे आरजेडी नेता के हत्या

सुपौल मे आरजेडी नेता रविन्द्र यादव के लोहा के रॉड से पीट-पीट कs हत्या करि देल गेलन्हि.

रविन्द्र यादव जी के लोहियानगर मे हुनकर घर के करीबहि वृहस्पतिवार के राति मे हत्या करि देल गेलन्हि.

पुलिस के अनुसार ओ राति मे अपन घर पर सुतल छलाह कि किछ लोग हुनका
आवाज दsक बाहर बुलौलखिन्ह. बाहर निकललाह पर हुनका रॉड सं पीट-पीट कs मारि देल गेलन्हि.

रविन्द्र यादव जी पिछला विधानसभा चुनाव सुपौल सं आरजेडी के टिकट पर लड़ने छलखिन्ह.

रविन्द्र जीक हत्या के बाद इलाका मे तनाव अछि. आरजेडी कार्यकर्ता सभ विरोध प्रदर्शन सेहो कएलखिन्ह. हत्या के बाद तनाव के देखैत सुरक्षा सख्त करि देल गेल अछि.

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु