नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

दरभंगा- मधुबनी सीट बचा पाएत बीजेपी?

दरभंगा- मधुबनी लोकसभा सीट पर फिलहाल बीजेपी के कब्जा अछि. सवाल ई अछि जे कि बीजेपी अपन ई दुनू सीट बचा पाएत?

दरभंगा सं सांसद छथिन्ह कीर्ति आजाद आओर मधुबनी के प्रतिनिधित्व करय छथिन्ह  हुकुमदेव नारायण यादव.

दरभंगा आओर मधुबनी दुनू के बीजेपी एमपी सं लोक खुश नहि छथिन्ह. लोक सभ के पिछला पांच साल मे कएल गेल हिनकर काज नहि देखा रहल
छनि.

लोक सभ एहि बात सं नाराज छथिन्ह जे जीतला के बाद ओ अपन इलाका मे नहि के बराबर दिखाए छथिन्ह. क्षेत्र मे अएबो करय छथिन्ह तं जिला मुख्यालय सं बाहर गाम दिस कमहि जाए छथिन्ह.

लोक सभ के साफ कहनाए छनि कि जिला मे जे काज देखा रहल अछि ओ नीतीश जी कएने छथिन्ह. दिल्ली मे दुनू एमपी राष्ट्रीय राजनीति तं खूब करय छथिन्ह मुदा अपना इलाका पर ध्यान नञ दए छथिन्ह.

केंद्रीय मंत्री सभ पर अपना इलाका के विकास लेल दबाव नहि बनाबए छथिन्ह. इलाका पहिनहि जका बाढ़ि-पानि... सूखा... रोजगार के समस्या सं दू चारि भ रहल अछि.

गर्मी छुट्टी, होली आओर छठि पर अखनो बाहर सं गाम अनाय-जनाय पहाड़ जकां बनल अछि. कोनो ट्रेन मे टिकट मिलनाए मुश्किल रहैत अछि. दरभंगा-जयनगर लेल जतेक ट्रेन चलल ओहि मे बेसि योगदान आरजेडी नेता मो अली अशरफ फातमी जीक छनि.

पढ़ाई-लिखाई मे सेहो कोनो सुधार नहि देखा रहल अछि. उच्च शिक्षा लेल बिना बिहार सं बाहर गएने कोनो काज नहि. नौकरी के लेल पलायन अखनो जारी अछि.

आईटी... खाद्य प्रसंस्करण... कोचिंग... इंस्टीच्यूट आओर दोसर उद्योग लगाबय के तरफ कोनो काज नहि कएल जा रहल अछि.

दुनू ठाम लोग के गुस्सा देखैत बीजेपी के लेल मुश्किल लगि रहल अछि... मुदा मोदी लहर मे बेड़ा पार भ जाए तं कोनो अचरज नहि.

दरभंगा सं एहि बेर 15 उम्मीदवार अपन भाग्य अजमा रहल छथिन्ह. मुख्यमंत्री नीतीश कुमार जीक जेडीयू सं संजय कुमार झा मैदान मे छथिन्ह. आम आदमी पार्टी के तरफ सं डॉ प्रभात रंजन दास सेहो ठाड़ छथिन्ह.

मिथिला सं जुड़ल अखिल भारतीय मिथिला पार्टी सं सदरे आलम खान सेहो चुनौती द रहल छथिन्ह. भने दिल्ली आ दोसर ठाम मिथिला राज्य के मांग उठि रहल अछि मुदा दरभंगा मे अखिल भारतीय मिथिला पार्टी के समर्थन मे लोक नहि दिख रहल छथिन्ह.

दरभंगा मे मुख्य मुकाबला बीजेपी के मौजूदा सांसद कीर्ति आजाद के आरजेडी के पूर्व सांसद मो अली अशरफ फातमी जी सं छनि.

जखन कि मधुबनी मे तिकोना मुकाबला अछि. मुख्य मुकाबला लालू प्रसाद यादव जीक लालटेन थामने अब्दुल बारी सिद्दिकी...नीतीश जीक पार्टी के गुलाम गौस आओर बीजेपी के मौजूदा सांसद हुकुमदेव नारायण यादव जीक बीच छनि.

मधुबनी मे 11 उम्मीदवार लोकसभा पहुंचय लेल जोर लगौने छथिन्ह. एहि मे अखिल भारतीय मिथिला पार्टी के तरफ सं रत्नेश्वर झा... आम आदमी पार्टी सं नीरज पाठक शामिल छथिन्ह.

आब देखय के ई अछि जे मोदी लहर मे कीर्ति आजाद आओर हुकुम देव नारायण यादव जीक वैतरणी पार होए छनि की नहि?

अहां सभ अपन विचार सेहो राखि सकय छी.

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु