नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

बिहार में यादव वोट पर मोदी केर नजर

बीजेपी के पीएम पद केर उम्मीदवार नरेंद्र मोदी केर नजर बिहार के यादव वोट पर अछि.

बिहार मे रामविलास पासवान केर एलजेपी से गठबंधन के बाद दलित वोट के अपना पक्ष मे देख रहल बीजेपी उम्मीद करि रहल अछि जे अगर यादव के किछुओ वोट मिल गेल तं पार्टी के सीट के आंकड़ा बढ़ि सकैत अछि.

एहि लेल नरेंद्र मोदी बिहार मे अपन रैली मे यादव वोट के अपना पक्ष मे करय लेल
गौवध या पशुवध के मामला उठा रहल छथिन्ह.

मोदीजी मतदाता सं सीधा सवाल करय छथिन्ह कि जे पशु...गौमाता के अहां पालय छी कांग्रेस ओकरा वध करय मे गर्व महसूस करैत अछि. आओर ओहि कांग्रेस सरकार के लालू- मुलायमजी समर्थन दय छथिन्ह.

मोदी जी साफ कहय छथिन्ह जे दिल्ली के मौजूदा सरकार गाय पालय वाला के तं सब्सिडी नहि दैत अछि मुदा ओकरा वध करय वाला के दैत अछि.

सभ ठामक चुनावी सर्वेक्षण से गदगद बीजेपी आब 272+ के टार्गेट छोड़ि 300+ टार्गेट पर लागि गेल अछि.

चुनावी सर्वेक्षण मे कहल जा रहल अछि जे बीजेपी सभसं पैघ पार्टी बनि क आबि रहल अछि. लोक सभ के सेहो लगि रहल छनि जे एहिबेर केंद्र सरकार के खिलाफ नाराजगी के फायदा बीजेपी के मिल सकैत अछि.

लोक महंगाई, भ्रष्टाचार, घोटाला आओर कालाधन के मुद्दा पर सरकार से नाराज अछि. बीजेपी ओकर फायदा उठाबय चाहैत अछि.

अगर सर्वेक्षण... मीडिया के मानल जाए तं देश मे एहिबेर मोदी लहर अछि. मुदा लहर सं देश नहि चलैत अछि. अगर लहर देखि सरकार बनैत तं चुनाव के जरूरते नहि रहत.

देश मे चुनाव मे सभ सं पैघ स्थान मतदाता के होएत अछि आओर गुप्त मदतान मे आखिर तक अहां नहि कहि सकैत छी जे वोटर के फैसला की अछि. ओ तं वोट के गिनती के बादहिं पता चलत.

मुदा पार्टी सभतं सरकार बनाबए लेल... जीतए लेल आखिर तक दम लगौने रहबे करत. कोशिश करबाक चाही.

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु