नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

बिहार विकास मॉडल पर ब्रिटेन मे चर्चा

बिहार के विकास मॉडल पर ब्रिटेन के लंदन स्कूल ऑफ इकोनामिक्स मे चर्चा भेल. एहि चर्चा मे बिहार के विशेष राज्य के दर्जा देबय के मांग सेहो उठल.

एहिठाम ‘एक नव बिहार: शासन आओर विकास के फेर सं जागल अलख’ शीर्षक सं एकटा निबंध संग्रह जारी कएल गेल. एकर संपादन राज्यसभा एमपी एनके सिंह आओर लंदन स्कूल ऑफ इकोनामिक्स मे इंडिया ऑब्जर्वेटरी के निदेशक निकोलस स्टर्न कएने छथिन्ह.

एहि पर चर्चा मे कहल गेल कि बिहार सरकार विकास
के एकटा नव दिशा देबय मे सफल रहल अछि. राज्य मे सेवा के अधिकार, शिक्षा आओर स्वास्थ्य पर विशेष ध्यान देल जा रहल अछि. कानून व्यवस्था मे सुधार भेल अछि. दलित, अल्पसंख्यक, महिला, पिछड़ी जाति के लेल विशेष कल्याण योजना चलाएल जा रहल अछि.

एनके सिंह जीक कहनाए छलन्हि जे बिहारक समृद्धशाली इतिहास रहल अछि जे पिछला बीस साल मे धूमिल भेल अछि. एहि कारण से बिहार देश के विकास केर मुख्यधारा मे काफी पाछां भ गेल अछि. मुदा नीतीश जीक मुख्यमंत्री बनला के बाद काफी अंतर आएल अछि.

एहि चर्चा में ब्रिटिश सरकार के मंत्री डेनी अलेक्जेंडर, लार्ड करन बिलिमोरिया, भारतीय उच्चायुक्त रंजन मथाई, सुहेल सेठ सेहो अपन विचार राखलखिन्ह.




कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु