नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

छपरा मे मुफ्त मिड डे मील सं मरल 16 स्कूली बच्चा

बिहार मे छपरा के मसरख मे सरकारी स्कूल मे मुफ्त मे मिलय वाला मिड डे मील बच्चा सभ के लेल जहर साबित भेल.

सरकारी मि़ड डे मील खाSक 16 टा बच्चा मारल गेल अछि आओर करीब 50 टा बच्चा के अस्पताल मे इलाज चलि रहल अछि.

मिड डे मील खा बीमार पड़ल बच्चा सभ के उम्र 8 सं 10 सालक बीच अछि,

स्कूल आएल बच्चा सभ के खाए लेल खिचड़ी
परसल गेल छल. खिचड़ी खाएतहि बच्चा सभ के तबियत खराब होए लागल. दूटा बच्चा के मौत त स्कूल मे खिचड़ी खाएतहि भ गेल.

ई देखैत ओहिठाम कोहराम मचि गेल. बच्चा सभ के पास के अस्पताल मे ल जाएल गेल मुदा हालात बेसंभारि होए के कारण सभ के छपरा शिफ्ट कएल गेल.

जेहि बच्चा के हालत गंभीर अछि ओकरा पटना ल जाए के कोशिश कएल जा रहल अछि.

बिहार सरकार के तरफ सं मृतक बच्चा के परिवारवाला के 2-2 लाख टका देबय के घोषणा कएल गेल अछि. मुख्यमंत्री नीतीश कुमार घटना केर जांच के आदेश द देलखिन्ह.

मिडडे मील केंद्र सरकार के योजना अछि. राज्य मे एकरा लागू करय के जिम्मेदारी राज्य सरकार के अछि.

ई स्कीम देश के करीब 13 लाख सरकारी स्कूल मे लागू अछि आओर एकर फायदा करीब 12 करोड़ बच्चा के मिल रहल अछि.

मुदा घटिया खाना देबय के घपला के कारण बेर-बेर बच्चा सभ के बीमार पड़य के खबर आबैत रहैत अछि. एहि के कारण स्कूल के पढ़ाई पर सेहो असर पड़ि रहल अछि.

स्कूलक घटना के बाद राज्य मे सियासी तूफान सेहो उठि गेल अछि. लालू यादव...रामविलास पासवान...शाहनवाज हुसैन सभ नीतीश सरकार के खिलाफ ठाड़ भ गेलाह.

लालू जी तं नीतीश जी के इस्तीफा सेहो मांगलखिन्ह. पासवान जी कहलखिन्ह जे मिड डे मील पर भ्रष्टाचारक कब्जा भ गेल अछि.

बीजेपी के गिरिराज सिंह कहलखिन्ह जे परिजन के कम सं कम 10-10 लाख टका के मुआवजा देल जाउ.

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु