नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

अंशु माला जीक हालत खराब... अहां सभक मदद के जरूरत

अहां सभक प्रिय मैथिली गायिका अंशु माला झा जीक तबियत काफी खराब छनि. अंशु माला जी दिल्ली के सर गंगाराम अस्पताल मे भर्ती छथीह.

अंशु माला झा जीक हालत एतेक खराब छनि जे आब ओ स्मृति लोप वाला स्थिति मे पहुंचि गेल छथीह. दू साल पहिने जखन हिनकर किडनी खराब भेल छलन्हि तं हिनकर मां के किडनी लगाएल गेल छलन्हि. अखन हिनकर फेफड़ा आओर दोसर बीमारी के कारण स्मृति लोप जकां स्थिति भ गेल छनि.

पिछला दू हफ्ता सं अस्पताल मे भर्ती होए के कारण खर्चा
सेहो काफी भ गेल छनि.

अस्पताल आओर दवाई केर खर्च डेढ़-दू लाख सं ऊपर पहुंच जाए के कारण आब ओ इलाज कराबय के स्थिति मे नहि छथीह.

कहल जा रहल अछि जे बीमारिक एहि हालत मे हुनका अपन परिवारक सहयोग नहि मिलि रहल छनि. इहो कहल जा रहल अछि जे एहन स्थिति मे हुनकर पति सेहो अपन हाथ खींच लेने छथिन्ह आओर कोनो खर्च नहि द रहल छथिन्ह.

अंशु माला झा जीक संग सिर्फ हुनकर बहिन रश्मि जी छथीह.

इलाजक खर्च के लsक रश्मि जी परेशान छथिन्ह. लाख टका सं बेसि खर्च भ गेलाह के बाद हिनका पास आगां के इलाज के लेल... दवा- अस्पतालक खर्च के लेल पाई नहि छनि.

आब अहां सभक मदद के बिना अंशु माला झा जीक इलाज नहि भ पाएत. एहि लेल अगर संभव भ सकय तं हिनकर मदद करय लेल आगां आबिऔ.

अहांक छोट-छोट मदद बड़ पैघ साबित भ सकैत अछि. दस...पांच...सय... हजार टकाक मदद लाखों टका मे पहुंचि सकैत अछि.

अहांक मैथिलीक एकटा होनहार कलाकारक जिनगी बचि सकैत अछि. अहां अस्पताल जा क अंशु माला जी... रश्मि जी सं मिल हुनका नकद मदद सेहो करि सकय छी. दिल्ली मे छी तं गंगाराम सिटी अस्पताल पहुंचि मदद करय के कोशिश करिऔ.

अगर अहां दिल्ली सं दूर छी तखन अहां अंशु माला झा जीक आईसीआईसीआई बैंक खाता मे पाई जमा करा सकय छी.

हुनकर बैंक खाता के विवरण अछि...
Anshumala
Saving Account No. 022701509887
ICICI Bank
Delhi University Branch
Delhi
IFSC Code- icic0000227
MICR Code- 110229033

Address: Utility Centre, 1st Floor, University Main Gate, University Road, Delhi University, North Campus, Delhi- 110007

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु