नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

अजीत सरकार हत्या मामला मे पप्पू यादव बरी

मधेपुरा सं आरजेडी के पूर्व सांसद पप्पू यादव हत्या केर एकटा मामला मे बरी भ गेलाह. सीपीएम नेता अजीत सरकार हत्या मामला मे पटना हाई कोर्ट हुनका सबूत के अभाव मे बरी कएलखिन्ह.

राजेश रंजन उर्फ पप्पू यादव के संग राजन तिवारी आओर अनिल यादव के सेहो बरी करि देल गेलन्हि. तीनू गोटे के हत्या केर मामला मे एहि सं पहिला निचली अदालत मे उम्रकैद के सजा मिलल छलन्हि.

ओना हत्या के एहि मामला मे राजन तिवारी आओर
अनिल यादव पहिने सं बेल पर छलखिन्ह.


हाई कोर्ट के कहनाए छल जे हिनका सभ के खिलाफ यदि दोसर आओर मामला नहि अछि तं हिनका सभ के रिहा करि देल जाए.


पप्पू यादव चारि बेर 1991, 1996, 1999 आओर 2004 मे एमपी रह चुकल छथिन्ह .

सीपीआई विधायक अजीत सरकार केर पूर्णिया मे 14 जून 1998 के गोली मारि क हत्या करि देल गेल छलन्हि. ओ कार सं जा रहल छलखिन्ह कि गोली मारि क हुनकर हत्या करि देल गेलन्हि.

एहि हमला मे हुनकर ड्राइवर आ एकटा पार्टी कार्यकर्ता सेहो मारल गेल छलन्हि.
  
बिहार पुलिस केर जांच पर काफी हो हल्ला भेलाह पर एकर जांच सीबीआई के द देल गेल छल.

अजीत सरकार के पत्नी माधवी सरकार जीक कहनाए छनि जे ओ एहि फैसला के खिलाफ सुप्रीम कोर्ट मे जएतीह.

पप्पू यादव आओर दोसर लोक के बरी भेलाह सं ई सवाल उठि रहल अछि जे अगर ई सभ एहि मामला मे दोषी नहि छथिन्ह तं आखिर के अछि?

आखिर सरकार के हत्या के करलक? कि एहि मामला मे बिहार पुलिस आओर सीबीआई नाकाम साबित रहल? कि कहिओ एहि मामला मे दोषी के सजा मिल पाएत?


कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु