नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

नेहरा हत्याकांड मे दूटा के फांसी

दरभंगा जिला मे मनीगाछी थाना के नेहरा गाम मे भेल एकटा हत्याकांड मे दू गोटा के फांसी के सजा सुनाएल गेल अछि.

दरभंगा कोर्ट मंगलदिन राहुल यादव आओर पप्पू बिहारी के फांसी के सजा सुनौलक. दुनू पर दस-दस हजार टकाक जुर्माना सेहो लगाओल गेल अछि.

मामला 27 जनवरी 2011 के अछि. राहुल यादव आओर पप्पू बिहारी नेहरा गाम के पेट्रोल पंप लूटय गेल छल. एहि क्रम मे विरोध भेलाह पर ओ पेट्रोल पंप मालिक
अश्विनी चौधरी...स्टॉफ कैलाश सदा आओर दयाशंकर राय के गोली मारि हत्या करि देलक.

एहि मामला मे दोषी करार दैत कोर्ट दुनू के फांसी के सजा सुनौलक.

ओना एहि मामला मे सबूत केर अभाव मे कमलेश झा के बरी करि देल गेलन्हि. जखन कि नित्यानंद झा फरार छथिन्ह.

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु