नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

एनबीटी ऑनलाइन के कॉपी एडिटर्स के जरूरत


नवभारत टाइम्स (एनबीटी) ऑनलाइन के दिल्ली-एनसीआर मे कॉपी एडिटर्स के जरूरत अछि.

नवभारत टाइम्स के एहन लोक के जरूरत अछि जिनकर सामान्य ज्ञान नीक होए आओर हिंदी-इंग्लिश दुनू भाषा मे अनुवादक महारत होए. टेक्नॉलजी केर नीक समझ होए. संगहि संग कोनो विषय सं स्नातक डिग्री जरूर होए.

एकरे संग अहांक उम्र 28 साल सं बेसि नहि होबाक चाही.

अगर अहां नवभारत टाइम्स ऑनलाइन के संग काज करय चाहय छी तं
अपन रिज्यूमे careers@indiatimes.co.in के पास सब्जेक्ट लाइन मे TIL-CENBT लिख क भेज दिअ.

अहां अपन रिज्यूमे nbtonline@indiatimes.co.in पर सेहो cc करि देनाय नहि भूलब.

रिज्यूमे वाला मेल के संग अहां 500-700 शब्द मे अपन कोनो पसंदीदा विषय पर एकटा लेख सेहो भेजय के कष्ट करब. अगर लेख नहि होएत तं अहांक रिज्यूमे स्वीकार नहि कएल जाएत.

एकटा बात खासतौर पर ध्यान राखब जे अहांक लेख मंगल फॉन्ट में होए और इन्स्क्रिप्ट कीबोर्ड केर इस्तेमाल करि के लिखल गेल होए.

अगर अहां इन्स्क्रिप्ट कीबोर्ड सं टाइप नहि करि पाबय छी तं अहां के ई नौकरी नहि मिलत.

अप्लाई करय के लास्ट डेट अछि 14 मार्च 2013.

14 मार्च 2013 तक मिलल रिज्यूमे आओर लेख के आधार पर अहांके लिखित परीक्षा आओर इंटरव्यू लेल बुलायल जाएत.

******

पोस्ट केर नामः कॉपी एडिटर
लोकेशनः आईटीओ दिल्ली/नोएडा
अनुभवः 2-5 Years
एजुकेशनल क्वॉलिफिकेशनः ग्रैजुएशन. जर्नलिजम/ मास कम्युनिकेशन मे डिग्री या डिप्लोमा


कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु