नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

बिहार के नहि मिलत विशेष राज्यक दर्जा

योजना आयोग साफ करि देलक अछि जे बिहार के विशेष राज्य के दर्जा नहि मिलत.

योजना आयोग के उपाध्यक्ष मोंटेक सिंह अहलूवालिया के कहनाए छनि जे बिहार विशेष राज्यक दर्जा के मापदंड के पूरा नहि करैत अछि.

मोंटेक जीके साफ कहनाए छनि जे ओ एहि बात के जानए छथिन्ह जे बिहार के संग किछ परेशानी अछि...समस्या अछि. मुदा ओ एहन नहि
अछि जे विशेष राज्य के दर्जा देल जाए.

योजना आयोग के उपाध्यक्ष के कहनाए छनि जे बिहार के पिछड़ा क्षेत्र अनुदान कोष के तहत पैकेज देल जाएत.

बिहार के मुख्यमंत्री नीतीश कुमार केंद्र सरकार सं कई बेर विशेष राज्य के दर्जा के मांग करि चुकल छथिन्ह. एहि के लेल ओ पूरा राज्य के दौरा सेहो करि चुकल छथिन्ह.

नीतीश जीक कहनाय छनि जे बिहार के विकास के लिए विशेष राज्य के दर्जा मिलनाय एकदम जरूरी अछि. विशेष दर्जा मिललाह पर राज्य मे निवेश करय वाला के सेहो विशेष छूट मिलैत अछि जेहि सं ओ बेसि पाई लगाबैत छथिन्ह. उद्योगपति सभ के कर मे कई तरह के फायदा मिलैत अछि.

नीतीश जी हर संभव मंच पर विशेष दर्जा के मांग उठा चुकल छथिन्ह. मुदा केंद्र सरकार एहि पर ध्यान नहि द रहल अछि.

गुरुवार सं दिल्ली मे राष्ट्रीय विकास परिषद के बैसार होए वाला अछि. नीतीश जी कहने छथिन्ह जे ओ एहि बैसार मे प्रधानमंत्री के सामने एहि मुद्दा के उठौथिन्ह. मुदा बैसार सं पहिने मोंटेक सिंह के बयान सं साफ अछि जे केंद्र सरकार की चाहैत अछि.



कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु