नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

केवटी के बीजेपी एमएलए के खिलाफ एफआईआर

दरभंगा मे केवटी विधानसभा क्षेत्र सं बीजेपी एमएलए अशोक यादव के खिलाफ मारिपीट करय के आरोप मे एफआईआर दर्ज कएल गेल अछि.

सगीर और सद्दाम के तरफ के तरफ सं दरभंगा के सदर थाना मे
अशोक यादव आओर हुनकर दूटा बॉडीगॉर्ड के खिलाफ ई एफआईआर दर्ज कराओल गेल अछि.

दुनू गोटे के कहनाए छनि जे शुक्रदिन राति में दरभंगा सं बिजुली गाम जाएत काल रास्ता मे जखन ओ अशोक यादव के गाड़ी के ओवरटेक करि आगां बढ़लाह तखन एमएलए साहेब के बॉडीगार्ड दूनि के पकैड़ि खूब पीटलक.

दुनू गोटे के इहो कहनाए छनि जे बाद मे एमएलए साहेब के पेट्रोल पंप पर ल जाsक सेहो जमि के पीटाई कएल गेलन्हि. जकरा बाद दुनू के डीएमसीएच में भर्ती कराएल गेल.


अशोक यादव हमर क्षेत्र केवटी के एमएलए छथिन्ह आओर हिनकर पिताजी मधुबनी लोकसभा क्षेत्र के एमपी छथिन्ह.


ओना अशोक यादव जीक कहनाए छनि जे दुनू लड़का हुनकर पेट्रोल पंप लूटय आएल छल आओर पकड़ा गेल. एहि बारे में हुनका तरफ से सेहो एफआईआर दर्ज कराउल गेल अछि.

ओना एहि मामला के लsक इलाका में तनाव अछि आओर एमएलए साहेब के खिलाफ लोक के गुस्सा सेहो अछि.
(Photo: Vipin Kumar)


1 टिप्पणी:

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु