नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

पटना मे छठि पूजा मे मचल भगदड़ि, 16 सं बेसि मारल गेलाह



पटना मे सोम दिन छठि पूजा के संझका अर्घ्य के बाद घर लौटेत काल मचल भगदड़ि मे 16 सं बेसि लोग मारल गेलाह. कई लोक घायल सेहो छथिन्ह.

घायल लोक सभ के इलाज पीएमसीएच मे चलि रहल छनि.

छठि पूजा के देखैत गंगाकात मे लोक के सुविधा के लेल अदालतगंज घाट के पास चचरीपुल
बनाऔल गेल छल. मुदा एहि चचरी पुल के टूटि जाए के कारण लोक मे भगदड़ि मचि गेल. लोक एक दोसरा पर खसलाह. दमगर लोक तं घायल भेलाह मुदा महिला आओर बच्चा, नेना-भुटका सभ काल के गाल मे समा गेलाह.

बांसक चचरी सं पुल के टूटला के बाद लोक सभ नीचा खसि पड़लाह. भगदड़ के संग लोकक चीख पुकार मचि गेल. लोक सभ के रोनाए-कननाए शुरू भ गेल. परिवार के संग पहुंचल लोक सभ अपन-अपन लोक के खोजय लेल एम्हर-ओम्हर भागल लगलाह.

पुल सं लोक नीचा बालू पर गिरला के कारण लोक सभ दोसरा के बचाबय के कोशिश करबो करय छलखिन्ह त हुनकर पैर बालू मे नहि चलि पाबय छलन्हि. फंसी जाए छलन्हि.

लोक के कहनाए छनि जे मरल वाला लोक के संख्या बढ़ि सकैत अछि.


ओना मुख्यमंत्री नीतीश कुमार आओर दोसर पार्टी के प्रमुख नेता सभ सेहो गंगा नदी मे होए वाला छठि के देखय आ सूर्य देवता के संझका अर्घ्य देबय गेल छलाह ताही लेल प्रशासन के लोक मुस्तैद छलाह.

हादसा होएतहि लोक से बचाव ओर राहतक काज शुरू करि देल गेल. घायल सभ के तुरंत अस्पताल पहुचाएल गेल.

ओना एहि दुर्घटना पर राजनीति सेहो शुरू भ गेल अछि लालू यादव नीतीश जीक इस्तीफा मांगलखिन्ह. हुनकर पार्टी सरकार पर बदइंतजामी के आरोप लगाबैत सरकार सं गद्दी छोड़य के मांग करय लागल.

ओना बिहारक महापर्व छठि के दिन होए के कारण अस्पताल मे छुट्टी जका माहौल छल. जतेक मरीज पहुंचल ओहि हिसाब सं डॉक्टर नहि बुझाए छल.

अस्पताल मे किछ लोक हंगामा सेहो करलखिन्ह. चारु कात अफरातफरी जकां माहौल बनि गेल. एहि सं लोके के परेशानी होए छनि.

मुख्यमंत्री जीक तरफ सं हादसा के जांच केर आदेश द देल गेल अछि. मृतक के परिजन के मुआवजा के घोषणा सेहो करि देल गेल अछि..

छठि पर्वक खुशी के माहौल दुख मे बदलि गेल. ईश्वर लोक के एकरा सहय के शक्ति देथुन्ह.

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु