नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

भविष्यवाणी टा भेल पानि नहि

बिहार मे पिछला दिन पानि भेलाह पर मौसम विभाग के तरफ सं कहल गेल जे मानसून आबि गेल अछि. दस दिन पहिने कई ठाम बारिश भेल छल तखन मौसम विभाग के भविष्यवाणी पर लोक राहत के सांस लेने छलाह.

मुदा दू दिन पानि भेलाह के बाद गर्मी सं लोक के फेर हाल बेहाल. लोक के बादल के दर्शन नहि.

लोक फेर सं प्रचंड गर्मी सं
त्रस्त छथिन्ह. पारा दिन पर दिन चढ़ले जा रहल अछि. लगैत अछि जेना कालक पहरा पड़ि रहल अछि.

एहि बेर तं गर्मी के ई हाल अछि जे लगैत अछि गाछक एकोटा पत्ता तक नहि हिलैत अछि. हाथक पंखा...बैन डोलाबैत-डोलाबैत हाथ दुखा रहल अछि. भरि राति कच्छ-मच्छ करैत बितैत अछि.

हवा बहबो करैत अछि तं झरख सं देह जरय लगैत अछि. एकदम सं लू जकां चलि रहल अछि.

उमस सं दिन काटनाए कठिन अछि. पानि तं नहि पड़ि रहल अछि देह सं पसीना टप-टप खसि रहल अछि. पूरा देह चिपचिपा रहल अछि.

गर्मी के कारण खेती पर सेहो असर पड़ल अछि. खेतक जमीन फाटि रहल अछि. किसान भाई फसल के लsक परेशान छथिन्ह.

ई हाल तखन अछि जखन कि आषाढ़क मास खत्म भ बुधदिन सं सावन शुरू भ रहल अछि. कांवड लsक बाबाधाम जाएके टाइम भ गेल आ पानिक दरस नहि.

एहन हाल रहल तं कांवड़ लsक जनाए सेहो मुश्किल रहत लोक के लेल एहि बेर.

ओना मौसम विभाग के तरफ सं फेर भविष्यवाणी कएल गेल अछि जे सावन शुरू होए के संग पानि शुरू भ जाएत. लोक सभ सेहो चाहय छथिन्ह जे मौसम विभागक भविष्यवाणी सही साबित होए आओर बदरा झमैक-झमैक क बरसय.



1 टिप्पणी:

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु