नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

ब्लॉग...साइट पर वीडियो लगाउ आओर खूब कमाउ-2

ब्लॉग पर वीडियो डालिsक कमाई के किछ तरीका सं अहां सभ पिछला पोस्ट मे जानलौं. आई हम एहि पोस्ट मे बताएब जे अहां आओर कोन- कोन वीडियो साइट सं कमाई करि सकय छी.

यूट्यूब मे अहां अपन लेल वीडियो के अपलोड करि ओकर हिट आ लोक के देखय के अनुसार पाई कमाए छी. जतेक बेसि लोक देखलाह ओतेक बेसि पाई
अहां कमाएब.

मुदा एकटा बात अहां के ध्यान राखय पड़त जे गूगल एनालैटिक के अनुसार एक कंप्यूटर आई सं एक दिन मे एक वीडियो पर एकटा व्यू मानल जाएत. एहि लेल एक कंप्यूटर से बेर-बेर ओहि पर हिट नहि होबाक चाही. अगर होएत तं ओकर फायदा नहि मिलत.

अहांक वीडियो आ विज्ञापन के हिट अलग-अलग आईपी सं होबाक चाही. एहि लेल अहां जतेक बेसि दोस्त...परिचित के अपन वीडियो देखय लेल बता सकैत छी बता देल करु.

यूट्यूब जकां दोसर साइट्स अछि मॉनसूनएड्सवीडोपिया  आओर जिवॉक्स. एहि साइट...एजेंसी पर जाsक अहां एकर पब्लिशर अकांउट मे अपन खाता खोलि लिअ. रजिस्टर करला के बाद अहां अपन वीडियो डालि सकय छी आओर ओकर वीडियो अपना ब्लॉग पर डालि कमा सकय छी. तीनू के लिंक अछि...

http://www.monsoonads.com/publishers.html

http://www.vdopia.com/?page=publisherslist

http://www.jivox.co.in/publishers

एकरे संग एकटा साइट अनरुली मीडिया पर जाsक अहां अपना कि रजिस्टर करि लिअ. एहि साइट पर रजिस्टर करला के बाद अहां एहि एजेंसी के वीडियो वाला विज्ञापन के अपन ब्लॉग...साइट पर लगा सकय छी.

http://www.unrulymedia.com/

एहि साइट के पब्लिशर सेक्शन मे अहां के विज्ञापन वाला वीडियो के कोड मिलत. ओहि कोड के अहांके अपना ब्लॉग पर डालय पड़त. हर क्लिक...लोक के देखला पर अहां के सेंट...डॉलर में पाई मिलत.

जखन अहांक खाता मे एक सय डॉलर भ जाएत तं ओ अहां के चेक सं आ फेर पेपाल अकाउंट आ फेर बैंक अकाउंट मे पाई भेज देत. नीक रहत जे अहां अपन पता द चेक सं पाई मंगाबी. ओना पेपाल अकाउंट सेहो नीक रहत.

अपन बैंक के जानकारी देनाय नीक नहि रहत. ओहि बैंक के जानकारी द सकय छी जेहि मे आमतौर पर अहां पाई नहि रखैत छी. किएक तं आईकाल्हि फ्राड सेहो बहुत होएत अछि. पासवर्ड हैक भेलाह पर नुकसान उठाबय पड़ि सकैत अछि. एहि लेल सावधानी बरतनाए नीक रहत.

अनरुली मीडिया जैसन एकटा आओर साइट अछि  http://www.goviralnetwork.com/  एहि पर अहां सेहो अपना के रजिस्टर करि एकर कोड अपन ब्लॉग पर डालि सकय छी.

गोविरल नेटवर्क सेहो अहां के नीक पाई दैत अछि. एहि मे दुनिया भर के कई नामी कंपनी सभ के छोट-छोट विज्ञापन रहैत अछि. जे विज्ञापन...एड अहां टीवी पर देखैत छी. एकर एड अंतर्राष्ट्रीय क्वालिटी वाला रहैत अछि.

एहि पर अहां के कई फिल्मक ट्रैलर सेहो रहैत अछि. फिल्म के ट्रैलर देखनाए लोक विशेष पसंद सेहो करय छथिन्ह. एहि तरहक एड के कोड अपन ब्लॉग-साइट पर डालि अहां नीक पाई कमा सकैत छी.

मुदा ध्यान राखब जे एक ब्लॉग पर एकहि एजेंसी...एकहि साइट के वीडियो कोड रहय. एहि सं अहां के ओहि साइट...एजेंसी के कोड के कमाई के हिसाब राखय मे सेहो नीक रहत आओर ब्लॉग गजमज...गजमज नहि लागत.

बेसि कमाए लेल अहां पहिने ओहि कोड के अपना ब्लॉग पर डालि लिअ. फेर जे पोस्ट...स्टोरी होए ओकर लिंक के फेसबुक...ट्विटर आ दोसर नेटवर्किग साइट पर लोक सभ के देखय लेल डालि सकैत छी.

एहि सं काफी लोक ओहि वीडियो...विज्ञापनक के देखि सकैत छथिन्ह. चूंकि विज्ञापन...एड के वीडियो काफी इंटेरेस्टिंग होएत अछि एहि कारण लोक सेहो नहि अघैताह... हुनका ओह वीडियो के देखय मे मजा अएतन्हि.
लोक के मनोरंजन आ अहां के कमाई. अछि नहि मनोरंजक.

तं देर नहि करु जे लिंक देल गेल अछि ओहि पर अपन अकाउंट खोलि अहां कमाई करि सकैत छी.

आई के लेल एतबा...आगां दोसर विज्ञापन सभ डालि केना कमाई करि से बताएब. तं जुड़ल रहुं हेलो मिथिला सं. अहां अपन विचार राखनाय नहि भूलब. अपन कमेंट जरूर देब. धन्यवाद.


ब्लॉग...साइट पर वीडियो लगाउ आओर खूब कमाउ-1

2 टिप्‍पणियां:

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु