नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

आईएससी के रिजल्ट निकलल, बेगूसराय के पीयूष करलाह टॉप

बिहार इंटरमीडियट परीक्षा-2012 साइंस...आईएससी के रिजल्ट निकलि गेल अछि. रिजल्ट नीक रहल अछि. सय मे करीब 91 छात्र पास भेलाह. छात्र के पास प्रतिशत 90 आ छात्रा के पास प्रतिशत 92 अछि.

एहि बेरक आईएससी...12वीं परीक्षा में 3 लाख 43 हजार 898 छात्र शामिल भेल छलखिन्ह.

एहि बेर आईएससी परीक्षा मे बेगूसराय जिला के
बिशुनपुर के एमआरजेडीआई कॉलेज के पीयूष कुमार 92 प्रतिशत मार्क के संग पूरा बिहार मे टॉप करलाह. सभ सं नीक गप ई जे टॉप थ्री मे एहि कॉलेजक छात्र छथिन्ह.

टॉप मे दोसर स्थान पर रहलाह राम प्रवेश कुमार जी आओर तेसर स्थान पर रहलीह टॉपर पीयूष जीक बहिन इला कुमारी.

रामप्रवेश के 90.6 प्रतिशत आओर इला के 90.4 फीसदी अंक मिललन्हि.

एकटा बात आओर टॉप टेन मे सं पांच छात्र एमआरजेडीआई कॉलेज छथिन्ह. एहि हिसाब सं बेगूसराय के एहि कॉलेज के रिजल्ट उम्मीद सं नीक रहल अछि.

आओर हां एहि बेर टॉप-15 के 19टा छात्र-छात्रा मे सं छह टा समस्तीपुर... पांच-पांचटा बेगूसराय आओर पटना के...दूटा दरभंगा के... आओर एकटा मधेपुरा के छथीह प्रीति यादव... प्रीति जी पूरा बिहार मे बारहम स्थान प्राप्त करलीह.

सभ विद्यार्थी के हमरा तरफ सं शुभकामना. खूब नाम कमाउ... खूब आगां जाउ.


कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु