नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

दिल्ली मे मैलोरंगक सुर समाद

दिल्ली के भीषण गर्मी आओर आईपीएल के फाइनल मैच होबए के बावजूद रविदिन 27 मई के राजेन्द्र भवन खचाखच भरल छल. मिथिलावासी के थापड़ि सं गूंज रहल छल.

मौका छल मैथिलीक लोकप्रिय गीतकार सुधीर कुमार जीक गीत रचना संसार पर आयोजित सुर समादक. मैलोरंग के तरफ सं भेल एहि आयोजन मे मैथिलीक
तमाम गायक-गायिका मौजूद छलाह.

सुधीर जी करीब चारि सय गीत लिख चुकल छथिन्ह आओर करीब-करीब मिथिलाक सभ गायक हिनकर गीत गाबि चुकल छथिन्ह. मुदा जेना कि होएत अछि हम सभ गायक-गायिका आ नायक-नायिका के जानैत छी... सुधीर जीक नाम सं अपरिचित छलहुं.

एहि के लेल मैलोरंग बधाई के पात्र अछि जे सुधीर जीके केंद्र मे राखि एहि कार्यक्रम के एतेक नीक ढंग सं कएल गेल. सुधीर जी काफी युवा आओर जोश सं भरल छथिन्ह.

सुधीर जी कहलखिन्ह जे हमरा तं एहि क्षेत्र सं जुड़ल सभ लोक जानिते छी... आब अहां सभ के नव-नव लोक के...नव-नव गीतकार के मौका देबाक चाही. मैथिली के नव-नव गीतकार के जरूरत अछि. अहां सभ हुनका सभ के प्रोत्साहन दिऔ.

सुर समाद के शुरुआत सुधीर जीक लिखल बिहार गीत सं भेल. एहि पर नृत्य सेहो भेल... तनीशा ...बॉबी आओर ज्योति बड़ नीक नृत्य कएलीह.

एहिके बाद देवानंद जी सरस्वती वंदना आओर दूध रोटी गूड़ि कs खुआ दे गएलाह. देवानंद जीक आवाज मे बड़ मिठास छनि. सरस्वती वंदना सं माहौल एकदम भक्तिमय भ गेल.

एहि के बाद अएलीह गायिका ऋचा ठाकुर जी... ऋचा ठाकुर जी शारीरिक रूप सं असमर्थ छथीह. हिनका किछ लोकनि कुर्सी पर उठाsक मंच पर अनलाह. शारीरिक रूप सं कमजोर होएतहुं ऋचा ठाकुर जीक आवाज एकदम दमदार छनि... ऋचा ठाकुर जी दू टा गीत गएलीह पहिल सिहैक कs पुरवा बदन सिहराबै... आ दोसर कहबो कि बहिना बैरन भेल कंगना.

एहि के बाद सुनील कुमार पवन जी अएलाह. रविदिन हिनकर जन्मदिन सेहो छलन्हि. पवन जीक बाद कुमकुम मिश्र जी आबि जाउ कटनी मे गाम हेऔ सजना गयलीह.

एहि के बाद दर्शक सभ के जोश मे भरि देलाह विकास झा जी... हिनकर दिल्ली...मंबई असम वाला गाना पर लोक सभ झूमि उठलाह.

दर्शक के झूमाबय के क्रम अंजू झा जी सेहो जारी रखलीह. हिनकर खनकैत आवाज सं श्रोता सभ मंत्रमुग्ध भ गेलाह.


एहि के बाद अएलाह धनिक लाल मंडल जी. हमरा हिनका सुनय के कहिओ मौका नहि मिलल छल. बड़ नीक गाबय छथिन्ह धनिक लाल मंडल जी. एकटा बात सेहो पता चलल जे धनिक जी आई तक जतेक गीत गएलखिन्ह ओ सभ सुधीर जीक लिखल छलन्हि.


ओना हमरा एहि कार्यक्रम मे जाए के एक कारण सुरेश पंकज जीके सुनय के छल मुदा कोनो कारण से ओ नहि आबि सकलखिन्ह. सुरेश पंकज जीक हम प्रशंसक मे सं छी. कइटा कार्यक्रम मे हुनका सुनय लेल मिलल अछि ओ श्रोता के एकदम सं बांधि क राखि दैत छथिन्ह. सुरेश पंकज जी... हरिनाथ झा जी...कुंज बिहारी जी के बेसि सुनय लेल मिलल अछि हमरा.

कार्यक्रम बड़ नीक भेल. एहन कार्यक्रम सभ होएत रहबाक चाही. एहि लेल मैलोरंग नीक काज करि रहल अछि.

मैलोरंग के संग एकटा नीक बात इहो अछि जे कार्यक्रम समय पर शुरू करय के कोशिश करय छथिन्ह. एहि सं लोक अघाय नहि छथिन्ह. मुदा एहि गर्मी मे जगह के चयन कनि खटकल. राजेन्द्र भवन पहुंचय लेल जिनका पास घोड़ा-गाड़ी नहि छनि हुनका कनि पैदल चलय पड़य छनि आओर अगर एहि ठाम किछ हल्का खाय-पीबय चाही त ओकर व्यवस्था आसपास नहि देखायत अछि.

लोकेशन के हिसाब सं मंडी हाउस बेस्ट अछि आओर मैलोरंग के अगिला कार्यक्रम सेहो मंडी हाउस मे होबए जा रहल अछि. मुदा ओहि मे अखन टाइम अछि.

1 टिप्पणी:

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु