नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

बैरगनिया मे एसएसबी के आतंक

सीतामढ़ी जिला के बैरगनिया मे सशस्त्र सीमा बल... एसएसबी के आतंक सं लोक त्रस्त अछि. गामक लोक और एसएसबी के बीच भेल संघर्ष मे एक आदमी के मारल जाए के खबर अछि.

खबर अछि जे बैरगनिया एसएसबी कैंप पर तैनात किछ जवान के स्कूली लड़की संग छेड़छाड़ करला पर जखन लोक विरोध करलक तखन एसएसबी
जवान लोक सभ के बड़ पीटलक.

लोक सभ के कहनाए छनि जे शुक्रवार सांझ के जखन लड़की सभ स्कूल के पढ़ाई खत्म करि घर लौट रहल छलीह तखन एसएसबी जवान किछ टोंट कसि बदतमीजी करलक.
लड़की सभ अपन-अपन  गार्जियन के एहि बारे मे शिकायत करलीह तं लोक सभ एकर शिकायत करय कैंप पर पहुंचलाह. शिकायत सुनय के जगह दूटा लोक के जमिs क पीट देल गेल. एहि के बाद लोक सभ के गुस्सा भड़कि गेलन्हि.

ओ सभ कैंप पर धावा बोलि देलखिन्ह.
मगर बाद मे बातचीत के बाद मामला सुलैट गेल.

लेकिन शनि दिन मामला फेर भड़कि गेल जेहि के बाद सैकड़ों लोक कैंप के घेर लेलखिन्ह. पाथर-रोड़ा सेहो फेंकल गेल. एहि पर जवान सभ गोलीबारी करय लागलखिन्ह जेहि सं एक लोक के मारल जाए आओर किछ लोक के घायल होए के खबर अछि.

घायल होए वाला मे किछ एसएसबी के जवान सेहो शामिल अछि.

सभ बड़का...आला अफसर सभ बैरगनिया पहुंचि कैंप करि रहल छथिन्ह. मुख्यमंत्री नीतीश कुमार मामला के बारे में 24 घंटा के अंदर डीजीपी अभयानंद सं रिपोर्ट मांगलखिन्ह. 

लोक सभ खिसिया क बैरगनिया जाए वाला सभ रास्ता बंद करि देने छथिन्ह. पूरा इलाका मे तनाव बनल अछि.

एसएसबी के लsक लोक मे काफी गुस्सा अछि.

एहन पहिन बेर नहि भेल अछि जे बिहार मे एसएसबी जवान गुंदागर्दी पर उतारु भेल अछि. एहि सं पहिने मधुबनी के राजनगर आओर सीमांचल इलाका मे सेहो जमि क उत्पात मचौने छल.

राजनगर मे तं एसएसबी जवान सभ मर्द...महिला जे सामने आएल छल सभ के जमि क पीटने छल.

सरकार के एहि पर ध्यान देबय पड़त जे ई लोक के...सीमा के सुरक्षा के लेल अछि आ फेर लोक के परेशान करय लेल... लोक के सरेआम इज्जत उतारय लेल.




कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु