नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

मैट्रिक के रिजल्ट आएल, साढ़े तीन लाख से बेसि फेल: Result देखु

बिहार मे मैट्रिक यानी बिहार विद्यालय परीक्षा समिति के दसवीं केर रिजल्ट आबि गेल अछि. रिजल्ट नीक रहल अछि. रिजल्ट 71 प्रतिशत रहल अछि यानी कहि सकय छी जे सय मे सं 71 टा विद्यार्थी पास भ गेल अछि.

एकर एकटा पहलू इहो अछि जे ओतेक कोशिश के बादहुं सय मे सं 29 टा विद्यार्थी पास नहि करि पएलाह.

मैट्रिक परीक्षा मे एहि बेर साढ़े तीन लाख से बेसि (3,57,807) छात्र फेल
भ गेलाह. सरकार के शिक्षा विभाग के एहि पर सोचय के जरूरत अछि.

बिहार मे साढ़े तीन लाख सं बेसि छात्र फेल भs गेल कोनो छोट गप नहि अछि. पढ़ाई-लिखाई के स्तर पर...गुणवत्ता पर ध्यान दए के जरूरत अछि.

सरकार ट्रेंड टीचर के जगह पर ठेका पर शिक्षक के बहाली मे लागल अछि. पढ़ाई-लिखाई भगवान भरोसे भ गेल अछि... एक तरहे कहि सकय छी चौपट भ गेल अछि.

कई ठाम तं इहो देखल गेल अछि जे टीचर के खुद किछ नहि आबए छनि तं ओ विद्यार्थी के पढौंथिन्ह की? बिहार के लेल ई काफी गंभीर मसला अछि.

आई-काल्हि एहन भ गेल जे जिनका पास कनिओ खर्च उठाबय के सामर्थ्य छनि ओ अपन धिया-पुता के प्राइवेट स्कूल मे पढ़ाबय लेल भेज रहल छथिन्ह. सरकारी स्कूल सं लोक के मोहभंग भ रहल अछि.

हर शहर...हर गाम-घर...मोहल्ला मे पब्लिक स्कूल खुलि गेल अछि. ई स्कूल एकटा कमाउ धंधा भ गेल अछि. एहि मे सरकारी मिलिभगत होए तेहि सं इनकार सेहो नहि करि सकय छी.

सरकारी स्कूल मे तं एहन भ गेल अछि जे किछ पुरनका मास्टर जी पढ़ाबय के कोशिशों करय छथिन्ह तं हुनकर आधा समय मिडडे लंच पर चलि जाए छनि. स्कूल मे मिलय वाला ई दोपहर के खाना एकटा जंजाले अछि. खाना के स्तर से नीक नहि रहैत अछि आओर क्वालिटी-क्वांटिटी दुनू कम. बस औपचारिकता निभाएल जा रहल अछि सरकारी स्कीम केर.

एहि सं नीक सं हाजिरी के अनुसार छात्र के राशन या पाई द देल जाए. जेहि सं पढ़ाई के टाइम बरबाद नहि होएत आओर टीचर सेहो पढ़ाई पर ध्यान द पएताह.

ओना एहि बेरक result  मे ई खुशी के बात अछि जे लड़की सभ टॉप करलीह.

पटना के नव्या यादव 93 प्रतिशत अंक के साथ बिहार मे टॉप करलीह. दोसर आओर तेसर स्थान पर सेहो लड़की रहलीह.

एहि बेर लड़की सभ के पास करय के प्रतिशत सेहो बढ़ल अछि. एहि बेर सय मे सं 45 लड़की पास भेलीह.

एहि बेर मैट्रिक परीक्षा मे करीब साढ़े बारह लाख विद्यार्थी शामिल भेलाह जेहि मे सं करीब आठ लाख नब्बे हजार पास भेलाह.

अगर टॉपर के लिस्ट देखल जाए तं कई छात्र के अंक टाई जेना भ गेल छनि. कई छात्र के समान अंक मिललन्हि. चारिम पर दू...छठिम पर दू...सातम पर चारि... आठम पर तीन आओर दसम स्थान पर दू छात्र रहलाह. एहि तरहे टॉप टेन मे 18 छात्र अएलाह.

टॉप टेन रहल वाला छात्रक लिस्ट

1. नाव्या यादव 93
2. प्रीति सोनी 92.80
3. राधा कुमारी 92
4. रॉबिन्स कुमार 91.80
4. आलोक कुमार 91.80
5. प्रभात कुमार 91.60
6. सुष्मिता सुमन 91.00
6. अमन चंदन 91.00
7. रितु कुमारी 90.80
7. रिंकू कुमारी 90.80
7. कुमारी प्रतिज्ञा 90.80
7. दिव्या राज 90.80
8. अंजलि साह 90.60
8. अमित कुमार 90.60
8. पंकज यादव 90.60
9. आदित्य आर्यन 90.40
10. अर्पिता कुमारी 90.20
10. प्रीति कुमारी 90.20

Result  देखय लेल  अहां एहि लिंक के क्लिक करु...
http://www.biharboard.net/

आ फेर एहि लिंक के...

http://www.biharboard.net/matricresult.html


कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु