नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

महाराष्ट्र गान सं शुरू भेल बिहार उत्सव


मुंबई मे आई रवि दिन बिहार उत्सव महाराष्ट्र गान सं शुरू भेल. बिहार उत्सव समारोह सांझ के करीब सात बजे नीतीश कुमार जीक अएला के बाद शुरू भेल.

एहि बिहार शताब्दी उत्सव समारोह के खास बात ई रहल जे बिहार गान बाद मे भेल ओहि सं पहिने महाराष्ट्र गान भेल. एकर कारण छल महाराष्ट्र नवनिर्माण सेना के प्रमुख राज ठाकरे केर विरोध.

विरोध के देखैत नीतीश जीक खास
लोक सभ राज ठाकरे सं मिल बतौलखिन्ह जे एहि उत्सव मे कोनो राजनीति नहि होएत. ई सांस्कृतिक कार्यक्रम अछि. एकर पुष्टि के लेल नीतीश जीक खास लोक सभ राज ठाकरे के बात नीतीश जी सं करबौलखिन्ह.

बिहारक मुख्यमंत्री राज ठाकरे के भरोस देलखिन्ह जे एहि ठाम कोनो राजनीति नहि होएत. एहि पर राज ठाकरे कहलखिन्ह जे समारोह के शुरुआत महाराष्ट्र गान सं होबाक चाही जकरा नीतीश जी मानि लेलखिन्ह.

एहि सं पहिने समरोह के ल क काफी बवाल भ चुकल छल. बवाल के थामैत आ अपन रुख मे नरमी लाबैत नीतीश जी राज के बात मानि लेलाह.

नीतीश कुमार जी एक दिन पहिनहि मुंबई पहुंचि गेल छलखिन्ह. मुंबई मे काफी दिन सं एकर तैयारी चलि रहल छल. नीतीश जीक खास लोक सभ एहि मे जुटल छलखिन्ह.

आई रवि छुट्टी के दिन होए के कारण मुंबई के सोमैया मैदान मे काफी लोक सभ पहुंचलखिन्ह. हजारों बिहारी लोक सभ एहि समारोह के देखल लेल पहुंचलखिन्ह.

ओना समारोह मे आएल बेसि लोक के राजनीति आओर नीतीश जी सं कोनो लेना-देना नहि छलन्हि. ओ नीतीश जीके देखय सुनय लेल नहि बल्कि समारोह मे आएल उदित नारायण जी आओर मनोज तिवारी जीके देखय सुनय लेल पहुंचल छलखिन्ह.

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु