नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

आईआईएमसी लेल फॉर्म भरनाय शुरू

अगर अहां पत्रकार बनय चाहय छी तं एशिया के सभसं नीक पत्रकारिता संस्थान भारतीय जनसंचार संस्थान (IIMC) मे दाखिला लेल फॉर्म भरनाय शुरू भ गेल अछि.

आईआईएमसी सं अहां हिंदी, अंग्रेजी पत्रकारिता, रेडियो टीवी पत्रकारिता के संग विज्ञापन आओर जनसंपर्क के पीजी डिप्लोमा करि सकय छी.

प्रवेश परीक्षा केर आवेदन पत्र अहां दिल्ली
आओर ढेंकानाल केंद्र सं ल सकय छी. फॉर्म अहां डाक से सेहो मंगा सकय छी. नेट सं सेहो भरि सकय छी मुदा अहां के एकर परीक्षा फीस मिलला के बादहिं परीक्षा के एडमिट कार्ड भेजल जाएत.

जनरल के लेल फीस बारह सय टका आओर एससी /एसटी/ ओबीसी के लेल 1100 टका अछि.

फॉर्म 19 मार्च स मिलनाय शुरू अछि आओर लास्ट डेट अछि 20 अप्रैल. अहां के अपन फॉर्म के फीसक डिमांड ड्रॉफ्ट के संग 20 अप्रैल तक एहि पता पर भेज देबय पड़त...

Registrar, IIMC, Aruna Asaf Ali Marg, New Delhi-110067

एकर परीक्षा 21 मई के देश के कई शहर मे होएत. पास भेल पत्रकारक इंटरव्यू जून के आखिर या फेर जुलाई के शुरू मे होएत.

बेसि जानकारी के लेल अहां एहि नंबर पर फोन करि सकय छी आ फेर साइट पर जा क देख सकय छी

011-26741062, 26741073, 26741352 (New Delhi)

06762-226194, 226196 (Dhenkanal branch)

Website: www.iimc.gov.in

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु