नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

दिल्ली मे छाएल ललका पाग

आई अहां बड़ नीक लगै छी... मन होएs जे आई अहां सं एक बेर फेर सं विवाह कs ली. दिल्ली के श्रीराम सेंटर, मंडी हाउस मे जखन ललका पाग के नायिका नायक सं ई गप कहय छथीह... तखन ऑ़डिटोरियम मे मौजूद...




सभ लोक के जेना करेज फाटि पड़य छनि.

पत्नी अपन पति के खुद ललका पाग द दोसर विवाह के लेल विदा करय छथिन्ह मुदा ई गप सुनि नायक...पति के सेहो करेज सं ज्वालामुखी फाटि बाहर होए लागय छनि आ ओ घर सं झकारैत बाहर आबि दलान पर जा फफैक-फफैक कानय लागय छथिन्ह.


राजकमल चौधरी जीक ललका पाग नाटकक मंचन देश भर मे कई बेर भ चुकल अछि. मुदा प्रकाश झा जीक निर्देशन के कमाल एहन जे ओ दर्शक के एकदम सं बान्हि कs राखि दए छथिन्ह.

प्रकाश जीक कइटा नाटक देखय लेल मिलल...हर नाटक मे किछ नयापन लs क आबय छथिन्ह. गाम-घर मे नाटक देखय छलहुं तं हर मे एकहि तरहक मंचल होएत छल. मुदा प्रकाश जी सदिखन नव-नव प्रयोग करैत रहय छथिन्ह.

मैथिली रंगमंच के लेल ई नीक गप अछि. एहन मे लोक नाटक सं अघाय नहि छथिन्ह. हर बेर एकटा नया चीज देखय लेल मिलय छनि लोक के.


एहि ललका पाग नाटक मे मुकेश झा जी...ज्योति जी...नीरा जी और नीलेश दीपक जीक अभिनय काफी जानदार छलन्हि.

सिर्फ चारि गोटे के बल पर पूरा नाटक करि लेनाय ई बड़का बात अछि... आओर लोक के हिलय-डोलय नहि देनाय. जतेक तारीफ करल जाए कम होएत.

प्रकाश झा जीक ग्रुप मैलोरंग के तरफ सं दिल्ली मे अक्सर नाटक होएत रहैत अछि आओर गीतनाद के कार्यक्रम सेहो.




मैलोरंग के तरफ सं एकटा नीक गप आओर भ रहल अछि रंगमंचक कलाकार सभ के सम्मानित करनाय.
एहिबेर रंगकर्मी दयानाथ झा जीके ज्योतिरीश्वर सम्मान 11 सं सम्मानित कएल गेलन्हि.


रंगकर्मी श्रीकांत मंजल सम्मान मुकेश झा जीके आओक रंगकर्मी प्रमिला झा सम्मान सुधा झाजीके देल गेलन्हि.


ललका पाग मंचनक बाद एकटा पैघ गप ई भेल जे बीमारी सं उठला के बाद अंशुमाला जी फेर सं मंच पर अएलीह.
हिनका फेर सं गावैत देखनाय काफी सुखद रहल.

अंशुमाला जीक संग संग एहि मंच पर कल्पना मिश्रा जी... रश्मि रानी जीक गीत सेहो सुनय लेल मिलल.
संगहि संग नेहा वर्मा जीक नृत्य के आनंद दर्शक सभ सेहो उठएलाह.

5 टिप्‍पणियां:

  1. हितेन्द्र भाई, सब बेर नाटक समाप्त भेला बाद अहाँक विचारक प्रतीक्षा भ' जाइत अछि. अहाँ सब हमर काज के आगू बढ़बैत छी ताहि लेल बहुत बहुत धन्यवाद.

    अहाँक अनुज
    प्रकाश

    जवाब देंहटाएं
  2. हितेन्द्र भाई, सब बेर नाटक समाप्त भेला बाद अहाँक विचारक प्रतीक्षा भ' जाइत अछि. अहाँ सब हमर काज के आगू बढ़बैत छी ताहि लेल बहुत बहुत धन्यवाद.

    अहाँक अनुज
    प्रकाश

    जवाब देंहटाएं
  3. ham ehi sampoorn karyakramak pratyakshdarshi chhi.......vastav mein mailorang ke prayas satat sarahniy rahait achhi

    जवाब देंहटाएं
  4. Bahut badhiya reporting - Biratnagar me baisal ehi natak ke manchan ke anand utha payalahu. Anshumala Jee ke lel prarthana pura karayvala Isvar prati ek ber punah vishwash me mazabooti aayal. Isvar samast Maithil ke pragati ke marga par utsaahit rahait kaaj karay lel prerit karait rahaith.

    Harih Harah!

    जवाब देंहटाएं

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु