नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

ठंड के कारण स्कूल बंद

बिहार मे शीतलहरीक कहर के देखैत राज्य के सभ स्कूल के बंद करि देल गेल अछि. सरकार के तरफ सं कहल गेल अछि जे राज्य केर सभ सरकारी आओर प्राइवेट स्कूल अगिला आदेश धरि बंद रहत.

स्कूल कहिआ सं खोलल जाए एकर फैसला ठंडक असर के देखि करि करल जाएत.

अपन मिथिलाक कई इलाका मे तं हफ्ता भर सं सूर्य देव के दर्शन नहि भेलन्हि.

ओना पटना दिस रवि दिन
हल्का धूप निकलल. एहि सं लोक के किछ राहत मिललन्हि. मुदा उत्तर बिहार मे हाल मे कोनो फर्क नहि देखा रहल अछि.

एहन हाल अखन किछ दिन आओर रहत. ओहिनो मकर संक्रांति...तिला संक्रांति धरि तं ठंडक प्रकोप रहिते अछि.

कुहासा के कारण काज धंधा सेहो बंद अछि आ फेर ससरि-ससरि चलि रहल अछि.

पछवा हवा के कारण हालात आओर बिगड़ल अछि. दिनों मे रातिए जकां लगैत अछि. बुजुर्ग लोकनि के सभ सं बेसि तकलीफ छनि.

समस्तीपुर मे तं एकटा टीचर के ठंड लागय सं मृत्यु भ गेलन्हि. बिहार मे एकटा विद्यार्थी केर सेहो मृत्यु पिछला दिन ठंड सं भ गेल छलन्हि.

ठंड...कोहरा..कुहासा के कारण रेल सभ सेहो काफी लेट सं चलि रहल अछि. गाड़ी सभ 10 सं 12 घंटा तक लेट चलि रहल अछि.

किछ गाड़ी तं रद्द सेहो भ रहल अछि.

सरकार आओर किछ परोपकारी लोक सभ... एनजीओ के तरफ सं लोक के लेल अलाव के इंतजाम सेहो कएल जा रहल अछि.

किछ ठाम पुण्य कमाए लेल लोक कंबल..गर्म कपड़ा सेहो बांटि रहल छथिन्ह.

अहां सभ सेहो एहन नीक काज करि सकय छी.


कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु