नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

पांच साल मे बिहार के मिल जाएत बिजली संकट से मुक्ति


बिहार के पांच साल मे बिजली संकट सं मुक्ति मिल जाएत. बिहार सरकार के माननाय अछि जे 2016 तक बिहार मे बिजली के कोनो कमी नहि रहत.

बिहारक ऊर्जा मंत्री विजेन्द्र प्रसाद यादव जीक कहनाय छनि जे 2016 धरि बिहार के भूटान सं करीब 15 सय मेगावाट बिजली मिलनाय शुरू भ जाएत.

एकर संग ताबैत धरि राज्य सरकार
सेहो अपन बिजली उत्पादन बढ़ाबय के कोशिश करत. यादव जीक कहनाय छनि जे कोल लिंक नहि होए के कारण बिहार मे बिजली उत्पादन मे देरी भ रहल अछि.

हिनकर कहनाय छनि जे बिहारक जे प्रस्तावित बिजली उत्पादन गृह अछि... ओकरा कोयल लिंकेज सुविधा मिलतहि बिजली उत्पादन शुरू करय के प्रक्रिया शुरू करि देल जाएत.

एकरे संग गैर परंपरागत बिजली उत्पादन के कोशिश सेहो भ रहल अछि. पिछला दिन लौरिया चीनी मिल सं सेहो बिजली उत्पादन शुरू कएल गेल. 

देश मे डिफ्यूजर तकनीक सं ई अपन तरहक पहिल बिजली उत्पादन अछि.
एहि तकनीक मे चीनी मिल सं चीनी के संग इथनॉल और बिजली सेहो बनाएल जाएत अछि.

लौरिया चीनी मिल के एचपीसीए बॉयोफ्यूल्स यूनिट सं रोज 8-9 मेगावाट बिजली के उत्पादन होएत. क्षमता तं 20 मेगावाट के अछि. मुदा क्षमता हासिल करय मे अखन किछ टाइम लागत.

एहि सं चंपारण के बिजली संकट काफी हद तक दूर भ जाएत.

सरकार के एहिने कोशिश दोसरो चीनी मिल मे करय के अछि. मुदा सरकार बिहार मे सौर ऊर्जा... पवन ऊर्जा जकां दोसर बिजली उत्पादन पर सेहो ध्यान देने अछि.

ई बिहार के लेल नीक बात अछि. बिहार मे अखन एक तरहे कहल जाए तं देश मे सभसं कम बिजली के खपत अछि. लोक के मुश्किल सं बिजली मिलैत अछि.

बिजली के कमी के कारण बिहार मे आईटी आओर दोसर कारोबार आगां नहि बढ़ि रहल अछि. एहि के लेल काफी हद तक केंद्र सरकार सेहो जिम्मेदार अछि जे बिहार पर ध्यान नहि देलक.

बिहार मे बिजली के जाल बिझाबय लेल किछ खास नहि करलक. अखनो कतेक एहन गाम अछि जतय बिजली के पोल तक नहि गेल अछि. लाइन के तं बाते नहि करु.

उम्मीद करु जे आबय वाला दिन बिहार के लेल एकटा नवका उजाला लSक आएत.

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु