नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

एसटीईटी 17 फरवरी के

माध्यमिक शिक्षक पात्रता परीक्षा ( एसटीईटी ) आबय वाला 17 फरवरी के होएत.

एहि परीक्षा के लेल करीब पांच लाख (4.90 लाख) उम्मीदवार छथिन्ह. टेस्ट दू शिफ्ट मे होएत. टेस्ट के लेल एडमिट कार्ड
अहांक घर नहि भेजल जाएत.

एकर एटमिट कार्ड सरकारी वेबसाइट सं 5 सं 12 फरवरी तक डाउनलोड कएल जा सकैत अछि.

एकर प्रिंट लS अहां परीक्षा मे बैसि सकय छी. परीक्षा के लेल करीब राज्य भर मे पांच सय सेंटर बनाएल जाएत.

रिजल्ट होली के बाद मार्च के आखिर तक आबय के उम्मीद अछि.

जे उम्मीदवार अपना सं डाउनलोड नहि क पएथिन्ह ओ जिला शिक्षा अधिकारी के ओहिठाम सं अपन आवेदन के ओएमआर के देखा एडमिट कार्ड पाबि सकय छथिन्ह.

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु