नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

आम लोक मे सरकार के प्रति बढ़ल गुस्सा…शरद पवार के मारलक चांटा


आम लोक मे महंगाई... घोटाला... भ्रष्टाचार के लsक सरकार के प्रति गुस्सा बढ़ल जा रहल अछि.
एकर नतीजा आई दिल्ली के एनडीएमसी सेंटर मे देखय लेल मिलय. एहि ठाम हरविंदर सिंह नामक एकटा लड़का कृषि मंत्री शरद पवार के चांटा जड़ि देलक.

हरविंदर के साफ कहनाय छल जे महंगाई सं आम लोक परेशान अछि आओर एकरा लेल ओ सरकार के जिम्मेदार मानैत अछि. एहि लेल ओ शरद पवार के थापड़ि मारलक.

हरविंदर एहि सं पहिने
पूर्व दूरसंचार मंत्री सुखराम पर सेहो हमला कएने छल. हरविंदर सिंह के हिरासत मे लsक पूछताछ चलि रहल अछि.

ओना एहि सं एक दिन पहिनहि बीजेपी नेता यशवंत सिन्हा कहने छलखिन्ह जे आम लोक महंगाई सं परेशान अछि एहि मे कोनो अचरज नहि होएत जे लोक महंगाई के खिलाफ हिंसा पर उतारु भ जाएत.

बीजेपी नेता माया सिंह कहलीह जे सरकार के आबहुं लोक के गुस्सा के समझबाक चाही.

लेफ्ट नेता के कहनाय छल जे हम सेहो भ्रष्टाचार के खिलाफ छी... महंगाई के खिलाफ छी... एकर खिलाफ हम सरकार सं लड़ि रहल छी. मुदा थापड़ि मारय के एहि काज के पक्ष मे नहि छी. सभ्य समाज मे एकर जगह नहि अछि.

बीजेपी नेता आओर अभिनेत्री स्मृति ईरानी सेहो एकर निंदा करलीह आओर कहलीह जे लोकतंत्र मे अपन बात कहय के सभ के आजादी अछि मुदा एहि तरहक काज के कोनो तरहे ठीक नहि कहल जा सकैत अछि.

पवार के चांटा मारय के चारु कात निंदा कएल गेल अछि मुदा एकरा ओहिना नहि छोड़ल जा सकैत अछि.

ओना शरद पवार के कृषि मंत्री रहैत सब्जी... दाल... तेल... दूध और चीनी के दाम बेतहाशा बढल अछि.

महंगाई... भ्रष्टाचार... घोटाला... कालाधन के लsक लोक सभ परेशान अछि. लोक हजार-लाख कमाई लेल जिनगी गुजारि दैत अछि.

मुदा नेता...मंत्री सभ के संपत्ति के खुलासा देखबय तं अहां के पता चलत जे नेता... अफसर... मंत्री सभ के धन साल भर मे दू-दू... चारि-चारि गुना बढ़ि गेल अछि.

लोक के पास पाए नहि अछि आओर कइटा लोक करोड़ों टका विदेशी बैंक मे जमा करने अछि.
अंग्रेज तं देश सं धन लूटि क अपना देश ल जाएत छल मुदा एकरा कि कहबय जेहि में अपने देश के लोक... अपन धन के विदेश मे लs जाsक जमा करि रहल अछि.

कहल तं ई जा रहल अछि जे अगर विदेश मे जमा धन अगर देश मे वापस ल आएल जाए तं कई साल धरि लोक के टैक्स नहि देबय पड़तन्हि. विकास के काज एकदम सं तेज भ जाएत. देश चमैक जाएत. मुदा एकरा करत के.

बाबा रामदेव अनशन करलक तं रातोंरात तंबू उखाड़ि देल गेल... अन्ना हजारे के सेहो पकड़ि क तिहाड़ भेज देल गेल छल. मुदा लोक के गुस्सा के देखैत सरकार के अन्ना के छोड़य पड़ल.

एतय सभ होएतहुं अगर लोक के सभ किछ ठीक होएत नहि देखाएत तं लोक के गुस्सा भड़कबे करत.

मुदा लोक के कानून-व्यवस्था के हाथ मे नहि लेबाक चाही. लोकतंत्र मे हिंसाक कोनो स्थान नहि अछि.

अहांक के हिंसक होए के कोनो जरूरत नहि अछि. अहांक लेल सभसं पैघ हथियार अहांक वोट अछि.

अगर अहां के लगैत अछि जे सरकार अहांक अनुसार नहि चलि रहल अछि. अहांक मनक नहि करि रहल अछि बस वोट के हथियार सं कुर्सी सं उतारि दिअ ओहन सरकार के.

वोट...अहांक मत अहांक एहन हथियार अछि जेहि के आगां बड़का सं बड़का नेता अहां के चरण स्पर्श करय लेल तैयार रहत.

एकर महत्व के पहचानु. वोट देबय लेल जरूर जाउ. भ्रष्टाचारी...कालाधन के पक्ष लेबय वाला के सबक सीखाउ.

वोट के टाइम मे जाति...धर्म के नाम पर... भाई-भतीजा के नाम पर... दू-चारि टका के नाम पर अपन वोट के बर्बाद नहि करु. वोट नामक हथियार के सही इस्तेमाल करु.

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु