नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

विशेष राज्यक दर्जा पर गोपाल प्रसाद जीक आरटीआई


बिहार के विशेष राज्य दर्जा देबय के मामला मे भ रहल देरी पर आरटीआई कार्यकर्ता गोपाल प्रसादजीक आरटीआई पर हुनका सरकार जवाब मिल गेलन्हि.


गोपाल जीक सूचना केर अधिकार (आरटीआई) के तहत जे जानकारी मिलल अछि ओकर अनुसार विशेष दर्जा के मांग पर विचार करय लेल योजना आयोग के तरफ सं एहि साल आठ सितंबर के एकटा अंतर मंत्रालयी समूह बनाएल गेल.

एहि समूह के अगिला मास दिसंबर मे आठ तारीख
तक अपन रिपोर्ट दय के अछि.


आरटीआई से इहो जानकारी मिलल जे विशेष दर्जा के मांग के लेल मुख्यमंत्री नीतीश कुमार प्रधान मंत्री मनमोहन सिंह जीके के चारि बेर पत्र लिख चुकल छथिन्ह.


नीतीश जी 3 जून 2006... 23 मई 2009... 14 जुलाई 2009 आओर 10 मई 2010 के प्रधानमंत्री जीके पत्र भेजने छथिन्ह.


एहि सं पहिने 4 अप्रैल 2006 के विधानसभा मे विशेष राज्य के लेल पास एकटा प्रस्ताव सेहो भेजल गेल अछि.


एतबे नहि नीतीश जी दू साल पहिने 2009 मे प्रधानमंत्री के भेजल अपन पत्र मे बिहारक संग भेदभाव करय के आरोप सेहो लगौने छथिन्ह.


प्रधानमंत्री के लिखल पत्र मे साफ कहल गेल अछि जे कोसीक बाढ़ि पुनर्वास... हैंडलूम... कृषि... ऊर्जा... खाद्य सुरक्षा योजना केर मामला मे बिहारक संग भेदभाव कएल जा रहल अछि.


विशेष राज्य के मुद्दा पर एहि साल गर्मी मे शरद यादव जी बिहारक नेता सभ के संग प्रधानमंत्री सं मुलाकात करने छलखिन्ह.


मुदा केंद्र के कांग्रेसी...यूपीए सरकार पर बिहार के शिकायत के कोनो असरे नहि दिखा रहल अछि.

बिहार के संग शुरूए सं पक्षपात भ रहल अछि आओर ओ आइओ जारी अछि.

विशेष राज्य के दर्जा देबय लेल योजना आयोग के किछ शर्त होएत अछि. अगर गोपाल प्रसाद जीक आईटीआई पर ध्यान देल जाए तं बिहार सरकार के कहनाय अछि जे बिहार ओहि सभ शर्त के पूरा करैत अछि. एहि लेल केंद्र के बिहार के विशेष दर्जा देबय मे देरी नहि करबाक चाही.


मुदा यूपीए...दीदी...दादा के खेल मे बिहार पिसा रहल अछि. रेल सेवा होए...आर्थिक पैकेज होए... कोनो नव प्रोजेक्ट होए बिहार के संग भेदभाव जारी अछि.


एहि सं परेशान एनडीए के सांसद विशेष दर्जा के मुद्दा आब संसद में उठएताह.


जेडीयू...बीजेपी के एमपी सभ जोर-शोऱ सं एहि मांग के संसद मे राखथिन्ह.


अखन संसद के शीतकालीन सत्र चलि रहल अछि. अहां सभ सेहो अपना स्तर पर दवाब बनाबय के कोशिश करिऔ. बिहार के विकास लेल आगां आउ.


एकटा आओर गप आईटीआई कार्यकर्ता गोपाल प्रसाद जी अपन दरभंगा सं छथिन्ह आओर दिल्ली मे सूचना केर अधिकार के लेल लड़ि रहल छथिन्ह.


गोपाल जी आरटीआई के क्षेत्र मे बड़ नीक काज करि रहल छथिन्ह. गोपाल जी पचासों मुद्दा पर आरटीआई दाखिल कएने छथिन्ह आओर हुनका सरकार सं ओकर जवाब सेहो मिलल छनि.


अहां सभ हिनका सं 092897-23144 फोन पर संपर्क करि सकय छी.


कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु