नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

सुपर 30 के आनंद के जीवन पर बनत फिल्म

खबर अछि जे सुपर 30 के संस्थापक आनंद कुमार के जीवन पर फिल्म बनय जा रहल अछि.

एहि के लेल फिल्मी दुनिया के लोक सभ आनंद जी सं गप सेहो करय मे लागल छथिन्ह.

खबर तं इहो अछि जे कइटा निर्माता...निर्देशक अपन प्रस्ताव के संग आनंद जी सं भेंट सेहो करलखिन्ह.

फिल्म बनाबय के कोशिश करय वाला मे अनुराग बसु... संजीव दत्ता
शामिल छथिन्ह. हिंदूजा फिल्म आओर यूटीवी वाला सेहो सम्पर्क मे अछि.

आनंद कुमार जी बिहार के आर्थिक रूप सं कमजोर... गरीब परिवार के योग्य बच्चा के फ्री मे आईआईटी के तैयारी कराबय छथिन्ह.

हिनकर सुपर 30 के रिकॉर्ड शानदार रहल अछि. कहि सकय छी जे शत-प्रतिशत रहल अछि.

आनंद जी शुरू मे पुलिस अधिकारी अभयानंद जीक संग मिल बच्चा सभ के पढ़ाबय छलखिन्ह.
मुदा बाद मे अभयानंद जी हिनकर सुपर 30 सं अलग भ गेलखिन्ह.

हिनकर सुपर 30 के लेल जेहि 30 टा छात्र के चुनल जाएत अछि ओ टेस्ट सं होएत अछि.
टेस्ट मे पास करय वाला गरीब छात्र के आनंद जी पढय...खाए... पीबय सभ के इंतजाम अपना दिस सं करय छथिन्ह.

आनंद जीक कारणे बिहार सं सैकड़ों छात्र के दाखिला आईआईटी मे भ पाएल अछि.
आनंद जी खुद गरीब परिवार से छथिन्ह. हिनकर बाबूजी पोस्ट ऑफिस मे लिपिक छलखिन्ह. आनंद जी अपन पढ़ाई माए के संग पापड़ बेचि कs पूरा करलखिन्ह.

बड़ संघर्ष करने छथिन्ह.

आनंद जीक एडमिशन कैम्ब्रिज यूनिवर्सिटी मे होए वाला छलन्हि. मुदा ओतय जाए लेल पाए नहि होए के कारण एडमिशन नहि ल पएलखिन्ह.

एहि के बाद आनंद जी गरीब बच्चा सभ के पढ़ाबय लागलखिन्ह आओर आईआईटी के तैयारी कराबय लागलखिन्ह.

हिनकर कोशिश सं पटना मे कोचिंग चलाबय वाला सभ के धंधा पर असर पड़य लागल... एहि के कारण हिनका परेशानी सेहो झेलय पड़लन्हि.

मुदा हिनकर आर्थिक हित नहि होए के कारण कोचिंग लॉबी के पाछां हटय पड़लन्हि.

आनंद जीक चर्चा टाइम आओर न्यूजवीक पत्रिका मे सेहो भ चुकल छनि. हिनका पर डॉक्यूमेंटरी सेहो बनि चुकल अछि.

आब जखन फिल्मी दुनिया के लोक हिनका पर फिल्म बनाबय के सोचि रहल छथिन्ह तं ई नीक गप अछि.

हिनकर जीवन पर बनल फिल्म सं लोक सभ के प्रेरणा मिलतन्हि. ओ सेहो हिनके जकां नीक काज करय लेल आगां अएताह.

बिहार मे आनंद जी जकां आओर लोक के जरूरत अछि.

अगर अहां के नजर मे बिहार मे आनंद जी जकां आओर लोक काज करि रहल छथिन्ह तं ओकरा बारे मे बताबय के कोशिश करब.

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु