नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

PTI के पत्रकारक जरूरत

देशक प्रमुख न्यूज़ एजेंसी पीटीआई के दिल्ली मे किछ पत्रकारक जरूरत अछि. पीटीआई के अपन अंग्रेजी न्यूज़ एजेंसी के लेल पत्रकार चाही. ओना पीटीआई के हिंदी में भाषा नाम सं एजेंसी सेहो अछि.

पीटीआई के तीन तरहक पत्रकार के

जरूरत अछि.
 

*Copy Editors/rewrite persons
एहि लेल अंग्रेजी मीडिया मे अहांके 5 सालक अनुभव जरूर होबाक चाही. अंग्रेजी पर नीक कमान होबाक चाही.

*News Coordinators
एहि के लेल सेहो 5 सालक अनुभव होनाए जरूरी अछि. एहि मे अहां के पीटीआई के ब्यूरो सभ के बीच के काज देखय पड़त.

*Probationary Journalits
एहि में अहां के पत्रकारिता में डिग्री आ डिप्लोमा 50%  सं बेसि अंक सं होबाक चाही. उम्र 30 साल सं कम होए और कम सं कम दू सालक अनुभव होबाक चाही.

अप्लाई करला के बाद अहांक एकटा लिखित परीक्षा सेहो लेल जाएत.

अहांके अपन आवेदन के संग एकटा बॉयोडाटा आओर अपन लिखल लेख...रिपोर्ट के सेहो पठाबय पड़त.

अहां अपन रिज्यूमे...लेख एहि ईमेल पर भेल सकय छी:
hrm@pti.in
ईमेल के सब्जेक्ट मे 'Post applied for' के हाईलाइट जरूर करि देब.

अहां सभ के हेलो मिथिलाक शुभकामना...

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु