नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

कौन बनेगा करोड़पति मे बिहार रचलक इतिहास


अपन प्रतिभा केर धाक दुनिया भर मे मनाबय वाला बिहार एक बेर फेर अपन परचम फहरा देलक अछि. बिहार केर मान एक बेर फेर बढ़ल अछि. बिहारक माथ एक बेर फेर ऊंच भेल अछि.


एहि बेर बिहारक सम्मान के उपर उठएलाह मोतिहारी के सुशील कुमार जी. सुशील कुमार जी कौन बनेगा करोड़पति मे पांच करोड़ रुपया जीतए मे कामयाब भेलाह.

कौन बनेगा करोड़पति मे अखन धरि कोई गोटे पांच करोड़
नहि जीत पएलाह. सुशील जी पहिल लोक छथिन्ह पांच करोड़ जीतए वाला.


पांच करोड़ के तं गप छोडु एक करोड़ टका अखन धरि सिर्फ दू गोटे जीत पएलाह. पहिल जीतए वाला लोक छथिन्ह मुंबई के हर्षवर्धन नवाथे.


नवाथे जी जे एक करोड़ टका जीतने छलखिन्ह ओ कौन बनेगा करोड़पति के पहिल सीजन मे. जखन कि अखन पाचिम सीजन चलि रहल अछि,


कौन बनेगा करोड़पति मे दोसर गोटे के एक करोड़ जीतए में पांच सीजन लगि गेलन्हि. नवाथे के बाद सिर्फ अपन बिहार सं अलग भेल झारखंड के राहत तस्लीम जीत पएलीह. बीच मे कोई नहि जीत पएलाह.


राहत जी पांच करोड़ वाला सवाल नहि जानए के कारण सिर्फ एक करोड़ टका जीत पएलीह.

खैर अखन गप भ रहल अछि सुशील जी के. सुशील जी मोतिहारी के हनुमानगढ़ी के हेनरी बाजार मे रहय छथिन्ह.

पेशा सं कंप्यूटर ऑपरेटर छथिन्ह आओर बच्चा सभ के ट्यूशन सेहो पढ़ाबय छथिन्ह.


मात्र 6 हजार के ऑपरेटर के नौकरी करय वाला सुशील जी 5 करोड़ जीत गेलाह. बिहार के लोक सभ के हिनका सं प्रेरणा लेबाक चाही. बस अपन मनोबल ऊपर रखबाक चाही.


ओना हिनका सं पहिनहुं बिहार सं कइटा लोक के कौन बनेगा करोड़पति मे नीक प्रदर्शन रहल अछि. एहि पाचिम सीजन मे मधुबनी परिहारपुर एक बहिन सं आओर दरभंगा सं सेहो एक गोटे नीक खेललखिन्ह.


27 साल के सुशील जीके लेल ई दिवाली काफी नीक रहलन्हि. अमिताभ बच्चन जीक हाथ सं पांच करोड़ के चेक पएलाह. एकर शूटिंग मंगलदिन खत्म भेल.


आब एकर प्रसारण 2 नवंबर के सोनी टीवी पर होएत छठि के बाद.


तं भारत मे कोनो गेम शो मे सभ सं बेसि पाए जीतय वाला बिहारी सुशील कुमार जी के देखनाए नहि भूलब.


सुशीश जीके हेलो मिथिलाक तरफ सं शुभ दीपावली.

3 टिप्‍पणियां:

  1. are wah bahut sundar. Samast Bihar basi ke sushil jee Diwali ke tofa delkhin haa. Sushil jee ke bahut bahut badhai

    जवाब देंहटाएं
  2. Sushil ji ke Bihar ke prati dhyan akarshit karaik lel hriday s dhanybad dait chhiyani sangahi aur Bihari bhay a bahin lokani s nibedan je mehnat karathi a ano kshetra me bihar ke nam roshan karthi.

    जवाब देंहटाएं
  3. bahut - bahut thero shubhkamnay sushil ji ke ahina din duguna , bihar ke man badhabait ---
    aur yuva pidhi ke protshahan daiyth

    जवाब देंहटाएं

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु