नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

+92 सं सावधान...एहि सं बचिsक


+92 सं बचिsक रहब. ई अहांके काफी नुकसान पहुंचा सकैत अछि. अहांके दस तरहक झमेला मे फंसा सकैत अछि.
मुदा कई बेर एहन होएत अछि जे लोक जानल-अनजानल मे एकर जाल मे फंसि जाएत अछि. एहि लेल अहांके एहि सं सावधान रहनाय एकदम जरूरी अछि.

अहां कहबय जे आखिर ई +92 कि छै?


ई पाकिस्तान सं आबय वाला फोन अछि. अहां गौर कएने होएब जे इंडिया मे हमर-अहां के जे फोन आबैत अछि ओकरा शुरू मे +91 लिखल रहैत अछि.


+91 इंडिया के कोड अछि. इंडिया मे फोन करय सं पहिने अहां के 0 लगाबय पड़त आ फेर +91.

मुदा जखन +91 के जगह +92 सं फोन आबय तं सतर्क भ जाएब. आई-काल्हि +92 सं लोक सभ के खूब फोन आबय लागल अछि.

ई एकटा बड़का फ्रॉड के हिस्सा अछि. अहांके एहि फोन सं बड़का चपत लगि सकैत अछि. अहां के बिल सं काफी टका माइनस भ सकैत अछि. आर्थिक नुकसान झेलय पड़ि सकैत अछि.

एहनो भ सकैत अछि जे चूंकि ई नंबर पाकिस्तान के अछि ताही 
लेल अहां दस तरहक झमेला मे सेहो फंसि सकैत छी.

आई हमरो पास एकटा फोन आएल छल. चूंकि आई हमर ऑफ होएत अछि ताही लेल कनि देर तक बिछावन पर पड़ल छलौं.

उठला पर देखय छी जे एकटा मिस्ड कॉल अछि. फोन नंबर छल  +923086922763. फोन के शुरूआती कोड पर ध्यान नहि द हम अपन आदतक अनुसार मिस्ड कॉल पर फोन करि देलौं.

लागज जे गाम तरफ सं किनको फोन होएतन्हि.

ओम्हर सं फोन उठैबतहि चालू भ गेल जे अहां के वोडाफोन के तरफ सं 25 लाख के इनाम के लेल चुनल गेल अछि.

हमरा तुंरत शंका भ गेल जे अगर वोडाफोन की तरफ सं इनाम मिलल अछि तं ओ भोर मे किएक फोन करत. आ अगर करबो करत तं एकर सूचना ओ डाक सं आ फेर अपन बिल के संग भेजत.

ई बात कहि हम तुरंत ओहि फोन के काटलौं. वोडाफोन के फोन करय लागलौं. मुदा वोडाफोन वाला के कस्टमर केयर के फोन 111 मे ओकर कस्टमर केयर के ककरो सं बात करय के ऑप्शन नहि आबैत अछि.

ई वोडाफोन के सभसं बड़का खराबी अछि. एकरा लेल हम ओकर बिल वाला ऑप्शन चुनि ओकर कस्टमर केयर अधिकारी सं गप करलौं आओर एहि फोन के बारे मे बतएलौं जे ई केहन फोन अछि. हमरा लगैत अछि जे ई फ्रॉड अछि.

हमर बात पर सहमति जताबैत ओ सेहो कहलाह जे ई फोन पाकिस्तान सं अछि आओर आई-काल्हि पाकिस्तान आओर दोसर देश सं एहन फ्रॉड...जालसाजी भ रहल अछि जेहि मे अहां के इनाम जीतए के झांसा द अहां से रकम ऐंठ लेल जाएत अछि.

ओ तुरंत हमर नंबर के हाईलाइट करि देलखिन्ह आओर कहलखिन्ह जे आब अहां के एहन कोनो फोन नहि आएत.

अगर अहां सभ के फोन पर एहन कोनो फोन आबय तं ओहि मिस्ड कॉल के जवाब नहि दिअ. जेहि फोन के अहां नहि जानय छी ओहि पर बेसि देर तक गप नहि करु. फेर अगर ओ फोन +91  छोड़ि +92 आ दोसर कोड सं होए तं बात तं एकदम नहि करु आओर तुरंत एकर सूचना अपन फोन सर्विस देबय वाला के देल करिऔ.

आई-काल्हि ईमेल पर सेहो बैंक सं आओर दस ठाम सं फोन आएत जे अहां के ई इनाम मिलल अछि. अहां ई जीतलौं अ. अहां के एहि अवार्ड के लेल चुनल गेल अछि. अहां के एहि नौकरी के ऑफर अछि.

एहि सभ सं बचि क रहुं. कोनो मेल पर अपन बैंक खाता के नंबर... अपन कोनो निजी जानकारी नहि भेजल करु. अपन कोनो पासवर्ड नहि देल करु.

एकर बादहुं फंसि गेल छी एकर सूचना पुलिस आ दोसर अधिकारी के जरूर दी जेहि सं दोसर लोक एहि सं बचि सकय आओर फ्रॉड करय वाला के खिलाफ कार्रवाई भ सकय.

1 टिप्पणी:

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु