नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

मैथिली कवि गोष्ठी

साहित्यिक... सांस्कृतिक आओर सामाजिक संस्था मिथिलांगनक तरफ सं 11 सितंबर के मैथिली कवि गोष्ठी के आयोजन कएल गेल अछि.

ई कवि गोष्ठी डॉ ब्रजकिशोर वर्मा मणिपद्म जयंती केर उपलक्ष्य मे कएल जा रहल अछि.

कवि गोष्ठी मे डॉ ललित कुमुद... डॉ शेफालिका वर्मा... रविन्द्र नाथ ठाकुर... ब्रह्मदेव लाल दास... शारदानंद दास परिमल... रवीन्द्र लाल दास सुमन... कुमार शैलेन्द्र... मानवर्द्धन कंठ...
रमण कुमार सिंह... विनीत उत्पल... किशन कारीगर... विनीता मल्लिक आओर स्तुति नारायण जीक कविता पाठ होएत.

कवि गोष्ठीक पता अछि-
सत्याग्रह मंडप
गांधी दर्शन
निकट राजघाट
नई दिल्ली

समय अछि 11 सितंबर रवि दिन साझ के साढ़े 6 बजे.

एहि कार्यक्रम के बारे मे आओर कोनो जानकारी के जरूरत होए तं अहां सभ 93123-01160 आओर 98104-50229 पर फोन करि सकय छी.

ओना रवि दिन साहिबाबाद मे सेहो एकटा कार्यक्रम अछि. मैथिल संस्था सभ मे तालमेल के घोर कमी देखय लेल मिलैत अछि.

कोनो संस्था के एक-दोसरा सं संपर्क नहि. अगर ई कार्यक्रम दू दिन रहैत... एकटा शनि आ एकटा रवि दिन तं लोक दुनू के आनंद ल सकय छलखिन्ह.

एक तं मैथिली कार्यक्रम के बारे मे लोक सभ के जानकारी नहि मिलय ओ छनि... दोसर संस्था सं जुड़ल लोक सभ अपने मे मस्त रहय छथिन्ह.

फेसबुक...ऑर्कुट आओर दोसर सोशल नेटवर्किंग साइट पर जानकारी देलाह के अलावा दोसरो तरीका सं लोक सं जुड़य के कोशिश करिऔ.


अखनों बड़ लोक छथिन्ह जिनका कंप्यूटर... फेसबुक सं कोनो लेना-देना नहि रहय छनि मुदा ओ एहन कार्यक्रम के देखय चाहय छथिन्ह.

पिछला साल नोएडा मे भेल विद्यापति समारोह मे सेह हाल रहय. लाखों टका खर्च करला के बादहुं प्रचार-प्रसार के कोनो नीक इंतजाम नहि.

एकरे संग कार्यक्रम मे राजनीतिक प्रभाव बेसि देखल गेल. मैथिली...मिथिलाक चिंता छोड़ि सभ अपन -अपन राजनीति चमकाबय मे लागय छलाह.

खैर कार्यक्रम सभ होबाक चाही. एहन होए जे लगातार होएत रहय. हर मास एक- टूटा कार्यक्रम होए... लोक सभ के नीक-नीक कार्यक्रम देखय-सुनय के आनंद मिलय.

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु