नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

विवाद नहि विकासक गप करु

हेलो मिथिलाक अहां सभक अपन ब्लॉग अछि. हेलो मिथिला के अहां सभ के बड़ सहयोग मिल रहल अछि. अहां सभक प्यार...स्नेह के कारण आई ई देश -दुनिया मे काफी लोकप्रिय भ गेल अछि.

हेलो मिथिला अहां सभक एहन मंच अछि जतय विकासक गप होएत अछि. मिथिला...मैथिलक गप होएत अछि.

हेलो मिथिला एहन दलान अछि जेहि ठाम हम सभ अपन
गाम-घर... जिला...राज्यक विकासक गप करय छी. अपन दुख-दर्द...परेशानी के राखि ओकरा दूर करय के उपाय सोचय छी.

एहि ठाम हम सभ मिथिला-मैथिलीक उत्थान केर बात करय छी. हम सभ चाहय छी जे मिथिला-मैथिलीक चर्चा देश-विदेश मे होए.

मिथिला उन्नति करय... हमर मैथिल भाई लोकनि के दुनिया भर मे नाम होए.

एहि मंच पर हम सभ एहि बात के राखय छी जे मिथिला मे केना उद्योग-धंधा लागय... केना लोक के रोजगार मिलय.... केना इंफ्रास्ट्रक्चर के विकास होए. केना सड़क...रेल...बिजली...पानि केर सुविधा मिलय.

एहि ठाम हम सभ एक -दोसरा के पाग उछालय लेल नहि जुटल छी.

हेलो मिथिला पर सैकड़ों लोक के... समदिया के पोस्ट डालय के राइट छनि. कृपया ई ध्यान राखल जाए जे किनको पर कोनो व्यक्तिगत आरोप... आक्षेप नहि लागय.

किनको खराब कहय सं नीक जे हमरा सभ हुनका सं किछ नीक गप सीखय के कोशिश करि.

आओर कखनो एक तरफा खबर नहि देबाक चाही. जखन तक दुनु पक्ष के अहांक पास विचार नहि आबि जाए ओकरा लोक के सामने लाबय सं बचबाक चाही.

फेर मिथिलाक...मैथिलीक विकास के लेल हजार टा मुद्दा अछि. अपना सभ के ओहि मुद्दा पर ध्यान रखबाक चाही.

कोशिश ई होबाक चाही जे सभके संग लsक चलि. जे खराब करताह से खराब नतीजा पएताह. हुनकर खुद अपन क्रेडिट खराब होएत.

हुनकर चिंता नहि करु...बस अपन कोशिश नीक करबाक होबाक चाही.

अहां सभ हेलो मिथिला पर जमि कs लिखु. गाम-घरक... पावनि-त्योहार...सुख-दुख के गप करु. लोक के उत्साह बढ़ाबय के काज करु. कविता...कहानी लिखु

हमर आग्रह जे अहां सभ विकासक गप करु... विवादक नहि.

एकटा आओर गप अहांक hellomithilaa मे पहिने जे  लास्ट मे डबल aa लागय छल ओ आब सिंगल भ गेल अछि. आब सिर्फ http://hellomithila.com  पर अहांक ई ब्लॉग खुलि जाएत.

अहां अपन विचार hellomithilaa@gmail.com पर भेज सकय छी.

धन्यवाद

हितेंद्र कुमार गुप्ता

www.hellomithila.com/

1 टिप्पणी:

  1. Bahut Nik kahlou.....aa sahi mein je e Hello MIthila ke uddeshya chai okra anuroop bat hoi jahi sai vikas hoi,nai ki vivad hoi.....

    Kumar Kali Bhushan
    Keoti- Mumbai

    जवाब देंहटाएं

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु