नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

गांधी सेतु रहत बंद

उत्तर बिहार के दक्षिण बिहार सं जोड़य वाला... उत्तर बिहार के राजधानी पटना सं जोड़य वाला प्रमुख लिंक गांधी सेतु किछ दिन के ले बंद होबए जा रहल अछि.

गांधी सेतु केर 43,44 आओर 45 संख्या पाया काफी दिन सं खराब अछि. एकर मरम्मत के काज शुरू भ रहल अछि.

काज शुरू होए के कारण 18 तारीख सं दू-दू दिन करि कुल 6 दिन गांधी सेतु बंद रहत.

पहिल चरण मे 18 आओर 19 सितंबर दोसर चरण मे 22 आओर 23 सितंबर एहि के बाद आखिर चरण मे 27 आओर 28 सितंबर के यातायात के लेल बंद रहत.

एहि दौरान सभ तरहक गाड़ी बंद रहत. बाइक सं लsक बस...ट्रक सभ एहि रास्ता सं नहि चलत.

एहि दौरान लोक के खास परेशानी नहि होए एहि के लsक राज्य के आला अफसर सभ के बैसार सेहो भेल अछि.

प्रभावित होए वाला इलाका के कमिश्नर...डीएम...एसपी के दोसर इंतजाम करय लेल कहि देल गेल अछि. संगहि-संग बस आओर ट्रक वाला के एहि दौरान एहि रास्ता सं बचय लेल कहल गेल अछि.

कहल जा रहल अछि जे एहन पहिल बेर अछि जे गांधी सेतु बनला के बाद एकरा दुनू तरफ सं बंद करल जा रहल अछि.

आब मुजफ्फरपुर... दरभंगा...समस्तीपुर दिस के लोक के रेल सं आ बस सं बरौनी... मोकामा द पटना आबय पड़तन्हि.

पाया खराब रहला के कारण पुल पर दू लेन के बदला एक लेन पर गाड़ी चलैत छल.

कई बेर तं एहन भेल जे रास्ता 7-7...8-8 घंटा तक जाम रहल. कतेक लोक के रेल छुटलन्हि तं कतेक के फ्लाइट.

खैर उम्मीद कएल जाए जे एहि छ दिन बंद रहला के बाद लोक के परेशानी सं निजात मिलतन्हि.

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु