नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

पैसा-पैसा करय छी...हिनका देखिऔं

देश के आम लोक महंगाई सं पेरशान अछि. सब्जी... दाल... तेल... अनाज... दूध... चीनी सभ लोक के बजट के गड़बड़ौने  अछि.

लोक के आगां सभसं पैघ परेशानी ई अछि... कि खाउ आओर कि बचाउ ? बाल बच्चा के पढ़ाई-लिखाई...शादी-विवाह... भोज-भात के... रिश्तेदारी सं जे बचैत ओ महंगाई डायन खा जाएत अछि.

एहि मे संपत्ति बनाबए के तं सवाले नहि आबैत अछि. सरकारी नौकरी वाला किछ लोक के छोड़ि दिऔ तं आम लोक के जतेक घोड़ा-गाड़ी...मकान देखब ओ सभ लोन पर...ईएमआई के भरोसे चलि रहल अछि.

एहन मे आई अखबार में एकटा खबर पढ़ि दंग रहि गेलौं. खबर छल जे

कइटा सांसद के संपत्ति पिछला दू साल मे दोगुना सं बेसि भs गेल.

आब सांसदी मे एहन कोन चीज छै जे दूए साल मे पाई दोगुना भ जाएत अछि ई तं हमरा समझ मे नहि आएल. अहां सभ के समझ मे आएल होएत तं कनि हमरो समझाबय के कोशिश करब.

अखबार मे जे लिस्ट देल गेल छल ओहि के अनुसार सूचना आओर प्रसारण राज्य मंत्री एस जगतरक्षण के संपत्ति दू साल पहिने 2009 में छलनि करीब 6 करोड़ ( 5.9 करोड़ ). मुदा दू साल मे ओ एहन कि करि देलखिन्ह जे हुनकर संपत्ति एकाएक 70 करोड़ भ गेलन्हि.

पाई सं पाई बनय अछि ई कहानी तं सुनने छलौं मुदा एतेक बनैत अछि ई आब देखो लेलौं. अहां के कि लगैत अछि?

शरद पवार जीक पार्टी के एकटा नेता छथिन्ह प्रफुल्ल पटेल जी. प्रफुल्ल पटेल जी किछ दिन पहिने तक नागरिक विमानन मंत्री छलखिन्ह. एयर इंडिया ... इंडियन एयरलाइंस हिनके अंदर छलन्हि.

आई-काल्हि भारी उद्योग मंत्री छथिन्ह. हिनको संपत्ति मे भारी इजाफा भेलन्हि.2009 में प्रफुल्ल जी अपन संपत्ति करीब अस्सी करोड़ (79.8 करोड़) घोषित करने छलखिन्ह.

आब नवका संपत्ति के घोषणा मे हुनकर संपत्ति 122 करोड़ भ गेलन्हि. दू साल मे 42 करोड़ संपत्ति बढ़ि गेलन्हि. ई तं छप्पर फड़नाए भेल. कि कहय छी अहां सभ?

पेपर मे कांग्रेसी नेता कमलनाथ जीके बारे में सेहो जिक्र छनि. 2009 में हिनकर संपत्ति 14 करोड़ छलन्हि से 2011 मे बढ़ि कs 41 करोड़ भ गेलन्हि.

ई तं एकदम सं जादू लगैत अछि. लोक एक-एक पाई लेल कि नहि करैत अछि. लाख टका के मकान के लेल कर्ज में डूबि जाएत अछि.

कतेक के तं कर्ज नहि चुकएला पर कार...मकान सभ पर बैंक कब्जा करि लैत अछि. मुदा दोगुना होए के बात तं छोडु खर्चा लाएक पाई नहि निकलि पाबैत अछि.

मुदा एम्हर तं जेना लक्ष्मी जीक बरसात होएत होए. करोड़ों बढ़ल जा रहल अछि. सभ माया राम जीsक. किछ अहुं कहिऔं.

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु