नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

बनय सं पहिनहि विवाद मे नालंदा अंतर्राष्ट्रीय विश्वविद्यालय


नालंदा अंतर्राष्ट्रीय विश्वविद्यालय के विवाद सतह पर आबि गेल अछि. कुलपति डॉ गोपा सभरवाल के लsक उठल विवाद चरम पर अछि.

खबर आबि रहल अछि जे पूर्व राष्ट्रपति डॉ एपीजे अब्दुल कलाम एकर मेंटर ग्रुप से हटि गेलाह.

कलाम साहेब शुरू सं एहि विश्वविद्यालय केर स्थापना सं जुड़ल छलाह. मुख्यमंत्री नीतीश कुमार के संग एहि पर कई बेर गप सेहो करने छलाह.

नीतीश जीक संग जतय विश्वविद्यालय बनि रहल अछि ओतय सेहो गेल छलाह. मुदा हुनका एहि सं हटला सं एहि प्रोजेक्ट के बड़का झटका लागल अछि.

खबर के मुताबिक एकर विवाद के जड़ि मे
कथित रूप सं एकर कुलपति छथीह. नालंदा अंतर्राष्ट्रीय विश्वविद्यालय के कुलपति डॉ गोपा सभरवाल के बनाएल गेल छनि.

डॉ गोपा कुलपति बनय सं पहिने दिल्ली के लेडी श्रीराम कॉलेज मे समाजशास्त्र के रीडर छलीह. डॉ गोपा एहि सं पहिने जानकी देवी मेमोरियल कॉलेज मे सेहो पढ़ा चुकल छथीह.कइटा किताब सेहो लिखने छथीह.

मुदा लोक के कहनाए छनि जे डॉ गोपा सभरवाल के योग्यता वीसी बनय लायक नहि छनि. मात्र रीडर सं एकाएक वीसी बना देल गेलन्हि.

डॉ गोपा सभरवाल के मासिक वेतन सेहो विवादक विषय बनल अछि. हिनका मास मे 5 लाख टका सं बेसि मिलय छनि.

एतबा नहि हिनका पर इहो आरोप छनि जे ई अपन एकटा दोस्त डॉ अंजना शर्मा के ओएसडी बनौने छथिन्ह आओर हुनका वेतन के रूप मे हर मास तीन लाख टका सं बेसि दिला रहल छथीह.

अगर देश मे देखय जाए तं जतेक वेतन हिनका आओर हिनकर ओएसडी के मिलय छनि ओतेक वेतन शायदे देश के कोनो वीसी के नहि मिलय छनि.

खबर मे तं इहो आबि रहल अछि जे नालंदा अंतर्राष्ट्रीय विश्वविद्यालय के एकटा ऑफिस दिल्ली मे खोलय गेल अछि जेहि पर लाखों टका खर्च भ रहल अछि.

एहि विश्वविद्यालय के नाम पर देश विदेश मे कइटा बैसार कएल गेल अछि ओहि पर सेहो कथित रूप सं करोड़ों टका खर्च कएल गेल अछि.

खबर तं कइ तरहक आबि रहल अछि मुदा बात ई अछि जे कोन पर यकीन कएल जाउ आओर कोन पर नहि. अगर अहां सभ के एहि मे कोनो ठोस जानकारी होए तं बताएब.

मुदा जे खबर आबि रहल अछि आ ओ सही अछि तं मामला गंभीर अछि.

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु