नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

आनंद मोहन के घर पर गोलीबारी

पूर्व सांसद आनंद मोहन आओर लवली आनंद के घर पर गोलीबारी के खबर अछि. खबर अछि जे सहरसा में गोकुल चौक के पास हिनकर घर के आगां किछ लोक हो-हल्ला करि रहल छलखिन्ह.

जखन आनंद मोहन जीक सहयोगी... करीबी लोकनि सभ ओहि लोक सभ के मना करलखिन्ह तं ओ सभ अपना किछ आओर लोक के बुला गोलीबारी करलक आओर बम फोड़लक.

एहि सं एकोटा लोक घायल तं नहि भेलाह मुदा
इलाका मे तनाव बनल अछि. लोक सहमल छथिन्ह.
एहि मामला मे केस दर्ज करि लेल गेल अछि. सहरसा के एसपी साहब सेहो घटनास्थल पर जाsक मुआयना करलखिन्ह.

आनंद जीक घर पर मौजूद लोक सभ सं गप सेहो करलखिन्ह. एहि मामला मे दू गोटे के गिरफ्तार होए के खबर सेहो आबि रहल अछि.

आनंद मोहन किछ दिन सं सहरसा जेल मे बंद छथिन्ह.

गोलीबारी के विरोध मे हुनकर समर्थक सभ बुध दिन सहरसा बंद राखय के एलान करलखिन्ह.

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु