नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

आईएएस अफसर के बंगला जब्त

बिहार के पटना मे आय सं अधिक संपत्ति केर एकटा मामला मे आईएएस अफसर शिवशंकर वर्मा जीक बंगला जब्त करि लेल गेल अछि.

डीएम के आदेश के बाद हिनकर बंगला के सील करि देल गेल. लोकक कहनाय छनि जे एहि बंगला के मार्केट रेट 4-5 करोड़ सं कम नहि होएत.

वर्मा जीके घर पर चारि साल पहिने छापा पड़ल छल. भ्रष्टाचार के कइटा
शिकायत मिलला के बाद हिनका घर पर छापामारी भेल छल.

ओहि छापामारी मे हिनका पास सं करीब डेढ़ करोड़ रुपया नकद और नौ किलो सोना मिलल छल.एहि के बाद हिनका सस्पेंड करि देल गेल छलन्हि.

वर्माजी सं पहिने एकटा आओर अफसर वाईके जायसवाल जीक घर सील करि देल गेल छल.

भ्रष्टाचार पर लगाम लगाबय लेल मुख्यमंत्री नीतीश कुमार जीक एहन कानून बनाबय लेल देश भर मे जमि क प्रशंसा भेलन्हि.

लोक देश मे सेहो एहने कानून चाहय छथिन्ह.लोकपाल के एहि दिशा मे एकटा पैघ कदम मानि सकय छी.
कहल जा रहल अछि जे वर्मा जीक बंगला मे आब स्कूल खुलत.

अगर ऐना होएत अछि तं स्कूल के लेल भवन के से समस्या अछि ओकर निदान तं होएबे करत.

भ्रष्टाचार करय वाला अफसर सभ के दिल मे डर सेहो बैसत. ओ एहन काज करय सं दस बेर सोचताह.

मुदा देखय के ई अछि जे एकरा नीक सं लागू कएल जाएत अछि आ फेर आपसी दुश्मनी... बैर निकालय लेल एहि कानूनी हथियार के इस्तेमाल कएल जाएत अछि.

कई बेर राजनीतिक रंजिश के कारण सेहो अफसर सभ के... आ फेर दोसर लोक के फंसा देल जाएत अछि.परेशान कएल जाएत अछि.

जखन तक प्रशासन...सत्ता के संग छी. सभ नीक अछि. जखने कनि मनमुटाव भेल नहि कि अहां पर सरकार लगाम कसनाय शुरू जाएत अछि.

बस एकर दुरुपयोग नहि होबाक चाही. अहांक कि माननाए अछि?

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु