नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

नर्सरी सं मुफ्त मे लिअ पौधा

बिहार मे आई-काल्हि सरकारक तरफ सं लोक के मुफ्त मे पौधा...कलम देल जा रहल अछि. अहां अपना इलाका के सरकारी नर्सरी मे जाsक पांचटा पौधा...कलम फ्री में लs सकय छी.

बरसातक सीजन चलि रहल अछि. एहि मास मे गाछ-वृक्ष...कलम लगएला पर ओकरा लागय के बेसि संभावना रहैत अछि. एहि सीजन मे गाछ-वृक्ष लगएला पर ओकरा पानि के कमी नहि होएत अछि आओर ओ सुखाएत नहि अछि.

अगर अहांक घरक आसपास कोनो सरकारी नर्सरी
अछि त ओतय जाउ आओर पांचटा कमल फ्री मे लs आsक  लगा लिअ. एकटा बात ध्यान राखब सरकार के तरफ सं ई कलम...पौधा फ्री मे 15 सितंबर तक मिलत.

फ्री मे जे पौधा देल जा रहल अछि ओहि मे सभ तरहक पौधा अछि. अहांक इलाका के नर्सरी मे जे पौधा उपलब्ध अछि ओकरा अहां लs सकय छी. एहि मे आम... आंवला... लताम... बेल... सागवान... कदम आओर महोगनी के पौधा शामिल अछि.

ई तं फ्री मे मिल रहल अछि. अगर फ्री मे नहि मिलय तखनो लोक के गाछ-वृक्ष...पौधा लगाबय के चाही. वातावरण के लेल... पर्यावरण के लेल ई बड़ काजक बात अछि. गाछ के पैघ भेलाह पर फल...फूल...लकड़ी सेहो मिलैत अछि. समय अएला पर एकरा बेचि करि पाई सेहो बना सकय छी.

झारखंड मे एकटा गाम अछि. जतय लड़की भेलाह पर लोक दसटा पौधा लगाबय छथिन्ह. जखन ओहि लड़की के शादी-विवाह के समय आबैत अछि तं ओ पैघ गाछ बनि गेल रहैत अछि. लोक ओहि गाछ के बेचि लड़की के शादी करय छथिन्ह. एहि सं पैघ मदद मिल जाएत अछि.

अहां सभ सेहो एहिना करि सकय छी. सिर्फ एक बेर मेहनत करय के जरूरत अछि. कोनो बैंक के फिक्स्ड डिपॉजिट से बेसि फायदामंद अछि ई. तं देर नहि करु अपन इलाका के नर्सरी मे जाsक आइए नवका पौधा लगा लिअ.

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु